सोशल मीडिया मे खबरिः जनकपुर-जयनगर रेल केर इंजनक नाम ‘जानकी’

२६ जुलाई २०१९. मैथिली जिन्दाबाद!!

सोशल मीडिया मे ई खबरि बड़ी जोर-शोर सँ चलि रहल अछि जे जनकपुर आ जयनगर बीच नेपाल सरकार द्वारा जे रेलगाड़ी चलत तेकर नाम ‘जानकी’ थिक।

एहि सँ पहिने भेटल समाचार मुताबिक दुर्गा पूजा आ दीपावलीक बीच समय मे जनकपुर-जयनगर बीच रेल परिचालन मे एबाक पुष्टि विभाग द्वारा कयल गेल छल, लेकिन विगत किछु दिन पूर्व आयल बाढि सँ बनल-बनायल ट्रैक बीच-बीच मे टूटि चुकल अछि। संभव अछि जे आब परिचालन मे आर देरी हुअय।

प्रकाशित समाचार मे कहल गेल छल जे भारतक कोंकण रेलवे सँ नेपाल सरकार द्वारा ८५ करोड़ मे २ गोट रेलगाड़ी खरीद कयल गेल अछि। विदित हो जे नेपाल रेलवे केर एकमात्र रेल लाइन जनकपुर सँ जयनगर केर बीच चलैत अछि। पिछला ६ वर्ष सँ अमान परिवर्तनक काज चलि रहल अछि। जल्दिये रेलवे परिचालन शुरू कयल जायत।