बाढि सेहो मनोरंजनक साधन भऽ सकैत छैक की?

बाढि मे सेहो मनोरंजन केर नियति

पहिल बेर एहेन बाढि आयल अछि जाहि मे किछु विशेष जनता एकदम खुशियाली मनबैत देखल जा रहल य। एक हाथ मोबाइल – एन्ड्राइड सेट आ दोसर हाथ मे एकटा मोटका लाठी लेने सेल्फी खींचबैत, हाहा-ठीठी करैत, पानिक धार केर वीडियोग्राफी करैत गामक विभिन्न क्षेत्र मे घुमैत देखल जा रहल य। पत्रकार सब बेचारा परेशान य जे कोहुना त्रस्त लोकक फोटो खींचिकय पत्रिका सब मे छापिकय सरकार सँ राहतक इन्तजाम करबाबी, मुदा ओहो सब एहि तरहक विशेष लोक द्वारा बाढिग्रस्त क्षेत्र मे कयल जा रहल मनोरंजनात्मक नौटंकी मेँ फँसिकय रहि जाइत अछि।

सोशल मीडिया पर वायरल भऽ रहल कतेको फोटो जाहि मे बाढि सेहो लोकक मनोरंजन कय सकैत अछि से स्पष्ट अछि ताहि मे प्रस्तुत फोटो बाढिक पानि मे कुर्सी जमाकय समाजक कथित अगुआ वर्ग चाहक चुस्की लैत प्रसन्न मुद्रा मे फोटो कैप्शन सहित पोस्ट कयलनि तेकर चर्चा बड जोर-शोर सँ चारूकात देखल जा रहल अछि। कतेको रास पत्रकार आ आनलाइन न्युज रिपोर्टर केर वाल पर सेहो एहि तरहक मनोरंजनात्मक फोटो सब पोस्ट होइत देखि सकैत छी। एक दोसर प्रस्तुत फोटो तारडीह न्युज केर वाल सँ साभार राखि रहल छी जाहि मे गामक युवा सब अपन हाथ मे मोबाइल लय चारूकात घुमि-घुमिकय बाढिक आनन्द लैत देखाय दैत छथि।

लेकिन सच्चाई ईहो छैक जे गरीब-गुरबा आ कच्ची माटिक भीतघर वा टटघर आदि मे रहनिहार लोक सब बेघर भऽ गेल अछि। जतय बाँध टूटल ओतय वेग पर पक्की घर सब सेहो ध्वस्त हेबाक समाचार भेटल अछि। सोशल मीडिया पर राखल रिपोर्ट केँ मानी त कतेको लोक बेपता सेहो अछि। माल-जाल आ लोकक जान सेहो गेल अछि। खाना आ पानी लेल सेहो समस्या छैक कतेको स्थान पर। कतेको घंटा बीति गेलैक, सुधि लेनिहार सरकारक आदमी प्रखंड आ अनुमंडल कि जिला आ राजधानी सँ एखन धरि नहि एलैक, सब कियो बाट निहारि रहल अछि।

एम्हर विराटनगर मे बरसातक पानि आ नदी सब सँ ओवरफ्लो पानिक कारण गहींर भाग मे रहनिहार लोक सभक घर मे पैसल पानिक कारण लोक सब केँ सुरक्षित स्थान पर बास देल गेल अछि। सब वार्ड कमिश्नर आ मेयर स्वयं अपनहि सँ महानगरपालिका दिश सँ भंडारा कराकय भोजन-पानीक व्यवस्था कयलनि अछि। लोक सब केँ सुरक्षित जीवन कोना रहत ताहि लेल हर तरहक औषधि-उपचार, सर-सफाई आदि पर ध्यान देल जा रहल अछि। प्रकृतिक प्रकोप सेहो आब कनेक थिर भेल से बुझा रहल अछि।

आगाँ आब जे हो! एखन सब किछु नियन्त्रित अछि।

हरिः हरः!!