१४ जुलाई २०१९. मैथिली जिन्दाबाद!!

२५म वर्षगाँठ पर उपस्थित कनियाँ पक्षक जुटान
मैथिली भाषा आ मिथिला संस्कृति संग-संग मिथिलाक ऐतिहासिक धरोहर केर संरक्षण, संवर्धन आ प्रवर्धनक दिशा मे सदिखन चिन्तनशील, कार्यक्रम योजना विकास मे संलग्न आर २०१९ केर आरम्भहि मे पश्चिम भारतीय महानगर ‘अहमदाबाद’ मे आयोजित “अन्तर्राष्ट्रीय मिथिला महोत्सव” केर संयोजक-परिकल्पक राजकिशोर झा केर २५म वैवाहिक वर्षगाँठ शाश्वत मिथिला अहमदाबाद परिवार मिथिला समारोहपूर्वक मनौलनि अछि। एहि अवसर पर सब कियो अपन-अपन मैथिलक विशेष परिधान पुरुषक धोती, कुर्ता, पाग ओ दोपटा मे तथा महिला लोकनि साड़ी आ ओढनी मे सजि-धजिकय स्थानीय ५-सितारा होटल मे हर्ष आ उल्लास सँ मनौलनि।

२५म वर्षगाँठ पर राजकिशोर बाबू बीच मे पीताम्बरी-निलाम्बरी आवरण मे आ वर पक्षक झमटगर जुटान
जतय एक दिश गीत-संगीत पर मनोरंजनक इन्तजाम छल, ताहिठाम मैजिक शो सँ सभ कियो मजा लुटलनि। मुदा ताहि सब सँ पहिने २५म वैवाहिक वर्षगाँठ केर वर-वधू श्रीमान् ओ श्रीमती राजकिशोर झा केँ फेर सँ चुमाउन भेलनि, तदनुरूप दुर्वाक्षत सेहो पड़लनि आर फेर उपहारक आदान-प्रदान करैत एक व्यक्तिगत आयोजन केँ सेहो समूहगत आयोजन रूप मे मनेबाक एक विलक्षण परम्पराक आरम्भ भेल। सुदूर पश्चिम भारत मे मिथिलाक रीत-रेबाज सँ अपन संस्कृति केँ स्मरण करबाक अवसर सेहो जुटल, संगहि सामूहिकता सँ नव ऊर्जाक संचरण होयबाक लाभ एक बेर फेर सँ जुटल भाषा-संस्कृति अभियानी लोकनि केँ भेटबाक बात शाश्वत मिथिलाक सक्रिय संयोजक विधान झा बतौलनि। मैथिली जिन्दाबाद केर तरफ सँ पुनः एक बेर बधाई एक समर्पित आ सुदृढ सोच आ दूरदृष्टिसम्पन्न व्यक्तित्व राजकिशोर बाबू केँ!