जितेन्द्र ठाकुर, विराटनगर। १२ जुलाई २०१९. मैथिली जिन्दाबाद!!
विगत किछु दिन सँ लगातार पड़ि रहल वर्षाक कारण कोशी अञ्चल अस्पताल मे डुबानक समस्या देखा रहल अछि। लगातार वर्षा पड़ैत रहला आ पानिक समुचित निकासी नहि रहबाक चलते प्रदेश १ केर सब सँ पैघ सरकारी अस्पताल मे डुबानक समस्या भेल अछि।
अस्पताल परिसरमे पानिक सतह ३ फीट धरि पहुँचि गेल छल।
रोडक पानि अस्पताल भीतर पैसि गेला सँ औषधि पसल सहितक प्रशासनिक भवनमे सेहो पानि पैसिकय जलमग्न भेल अछि। लगातारक वर्षा आर अस्पताल भीतर पैसल पानि केर निकासी नहि भेलाक कारण ईमरजेन्सी वार्ड मे पानि पैसि जेबाक खतरा सेहो बढि जेबाक बात कोशी अञ्चल अस्पतालक मेडिकल सुपरिटेण्डेन्ट डा. रोशन पोखरेल बतौलनि। ‘काल्हि सँ आइ पड़ल मानसुनक पानिक सहत बढल अछि, ’ ओ कहला, ‘पड़ल पानिक निकास नहि होबय सकबाक कारण अस्पताल भीतर प्रवेशद्वार धरि पानि जलमग्न अछि।’
लगातार पानि पडैत रहत तँ ईमरजेन्सी वार्ड मे पानि पैसि जेबाक बात ओ बतौलनि। मंगल दिन सँ पड़ि रहल पानि बुध दिन प्रशासनिक कक्ष मे पैसि गेल रहय। पानिक निकासी वास्ते नालाक काज पूरा नहि होयब आर अस्पताल परिसर केर सतह सँ बेस ऊँच सड़क बनि गेला सँ अस्पताल भीतर पानि पैसि जेबाक बात सेहो ओ कहलनि। अस्पतालमे उपचार कराबय लेल आयल सेवाग्राहीकेँ सेहो समस्या भऽ रहल छैक। ‘उपचारक लेल आयल रोगी तथा अस्पतालक कर्मचारी जुत्ता खोलिकय अस्पताल भीतर पैसबाक अबस्था अछि’, डा. पोखरेल कहलनि, विराटनगर महानगरपालिकाक तरफ सँ पानिक निकास दिश कोनो ध्यान नहि गेल अछि, ओ बतेलनि।
अस्पताल चौकमे रहल गोल्डेन अस्पताल धरिक पानि कोशी अस्पतालमे पैसल अछि। नाला क्लियर नहि अछि, एहि तरहें सड़कक पानि सेहो सबटा गहींर सतहक अस्पताल मे पैसि गेल अछि। ‘अस्पताल परिसर भीतर पैसल पानि निकालबाक लेल मोटरक प्रयोग कयल गेल,’ ओ कहलनि, ‘लेकिन बाहर गेल पानि फेर सँ भीतरहि दिश आबि जायल करैत अछि।’ विदित अछि जे एहि अस्पतालमे गरीब तथा विपन्न वर्गक हजारों रोगी उपचार करेबाक लेल आयल करैत अछि।
फोटो क्याप्सन : मूल गेटमे जमल पानि । तस्वीर : जितेन्द्रनारायण ठाकुर । विराटनगर।