Search

मधुबनी सांसद डा. अशोक कुमार यादव संसद मे उठेलनि मांगः रोजगारक साधन उपलब्ध कराउ

४ जुलाई २०१९. मैथिली जिन्दाबाद!!

भारत मे आजादीक कइएक दशक बितलाक बादहु मिथिलाक्षेत्र मे रोजगारक साधन उपलब्ध नहि करेबाक अपरोक्ष आरोप आ असन्तुष्टि जाहिर करैत पहिल बेर भारतीय संसद लेल निर्वाचित मधुबनी सांसद द्वारा लोकसभाक शून्यकाल मे मांग राखल गेल अछि।

मधुबनी सांसद डा. अशोक कुमार यादव द्वारा अपन निर्वाचन क्षेत्र मधुबनी मे रोजगारक साधन उपलब्ध नहि रहबाक बात लोकसभा मे शून्यकाल मे अपन संबोधन मे उठेलनि अछि। एकमात्र साधन कृषि पर निर्भरताक बात स्वीकार करैत सांसद द्वारा आजादीक बाद एतेक दशक मे कोनो तरहक रोजगारक साधनक विकास नहि हेबाक बात सेहो ओ बजलाह। लोकसभा अध्यक्ष ओम बिरला प्रति आभार व्यक्त करैत जे शून्यकाल मे बजबाक अवसर देलनि कहैत माननीय सांसद द्वारा अपन भावना-विचार रखैत कहल गेल, “आजादीक एतेक दिनक बाद कोनो औद्योगिक संस्थान नहि अछि। जेहो चीनी मिल सभ छल, लोहट, रैयाम, सकरी ई सभक सब बन्द अछि। पंडौल मे सुता मिल छल सेहो बन्द अछि। दरभंगा मे अशोक पेपर मिल छल सेहो बन्द पड़ल अछि। एहि ठामक नौजवान केँ पलायन लेल मजबूर होबय पड़ल अछि।”
 
अपन विचार केँ निरन्तरता दैत ओ समाधानक दृष्टि सेहो रखलनि, “एतय ब्यापार आ उद्योगक अपार आ अथाह संभावना अछि। हम सरकार सँ मांग करैत छी जे विभिन्न क्षेत्र मे विशेष रूप सँ आम, मखाना, चीनी पर आधारित औद्योगिक एवं व्यवसायिक प्रतिष्ठान खोलल जाय।” हालहि दोसर टर्म लेल गठित मोदी सरकार एहि ५ वर्ष मे विकास केर आयाम स्थापित करबाक लेल वचनबद्ध अछि, आब देखबाक ई अछि जे सांसद यादव सहित मिथिला क्षेत्र अन्य-अन्य सांसद लोकनिक कतेक मांग अनुसार विकास स्वरूप लैत अछि। 

Related Articles