Search

मैथिली गजल – अहाँक सितम

303 भ्यूज

मैथिली गजल

– वंदना झा

अहाँक सितम

अहाँक सितम के की हम बात करू,
अहाँक संगीत के की हम बात करू।

ई जिनगी कटि रहल छई जहिना,
अहाँक गीत के की हम बात करू।

मानैत छी अपना के खुशनसीब कोनो,
अहाँक रीत के की हम बात करू।

करू नहि बात आब अहाँ अहिना,
अहाँक प्रीत के की हम बात करू।

नैन के भऽ गेल जेना करार कोनो,
अहाँक जीत के की हम बात करू।

हमर मोन मे बसल छी अहाँ एना,
अपन मीत के की हम बात करू।

© Vandana Jha

Related Articles