काठमांडू मे सुपरहिट मैथिली नाटकक प्रदर्शन होयत १५ दिन धरि, टिकट एखनहिं बुकिंग कय ली

२९ अप्रैल २०१९. मैथिली जिन्दाबाद!!
अपन टिकट एखनहिं बुकिंग कय लेल जाउ
 
काठमांडू मे “मिता आब कोना चलब” केर प्रदर्शन वैसाख २० सँ जेठ ५ गते धरि
 
बहुचर्चित मैथिली नाटक “आब कोना चलब” केर नव वर्सन थिक “मिता आब कोना चलब”
 
टाक अफ टाउन रहत ई नाटक ऐगला कतेको वर्ष धरिः निर्देशक राम भजन कामत
 
कलाकार सभक संग लेखक निर्देशक राम भजन कामत नेपालक सर्वाधिक लोकप्रिय आ बहुचर्चित नाटक “आब कोना चलब” केर नव वर्सन “मिता आब कोना चलब” केर प्रदर्शन करय सँ पहिने रिहर्सल मे व्यस्त छथि। मैथिली जिन्दाबाद संग बातचीत मे ओ कहलनि जे “आब कोना चलब” नेपाल मे साम्प्रदायिक सौहार्द्र पर कयल गेल कुठाराघात केँ नाटकीय अन्दाज मे रंगप्रेमी दर्शकक जनमानस मे एकटा विशेष छाप छोड़ने छल। ओ समय आइ सँ करीब १०-१२ वर्ष पूर्व केर माहौल केँ देखौलक। लेकिन देश मे नव संविधान लागू भेलाक बाद एखनहुँ गोटेक बात आ नियत एहेन अछि जाहि मे नेपालक दुइ गोट महत्वपूर्ण एथनिक आइडेन्टिटीक बीच आपसी सौहार्द्रता केँ कोहुना न कोहुना खलबलाबय लेल आतुर अछि। “मिता आब कोना चलब” जहिना मिता शब्द नव जुड़ल अछि, जेकर भावोद्गार स्वतः स्पष्ट करैत अछि जे कथा दुइ मित्र केर बीचक थिक – मिता शब्द मैथिली भाषाक मित सँ नेपाल मे ‘मिता’ लगेबाक परम्परा केँ झलकबैत अछि तेकरा नाटकीय कथानक मार्फत देशक जनता लेल राखल जायत।
 
एक जिज्ञासा जे पहिने आ एखन मे कोन बात नव भेटत, तेकर जबाब दैत राम भजन कहैत छथि जे नाटकक प्रदर्शन पूर्व ई रहस्य मीडिया मे खोलल नहि जा सकैछ, तखन एतेक भरोसा देबय चाहब जे दर्शक केँ पहिने सँ बेसी नीक आ सारगर्भित सन्देशमूलक कथानक संग ई नाटकक आनन्द भेटतनि। एहि बेर मूल कथानक मे सेहो किछु बदलाव आनल गेल अछि, संगहि विज्ञजनक सुझाव अनुरूप दृश्य आ संवाद केर प्रस्तुति सेहो फराक ढंग सँ तैयार कयल गेल अछि। काठमांडू केर दर्शक आ हुनका लोकनि अभिरुचि केँ सेहो ध्यान रखैत गोटेक बदलाव देखय मे आओत। कलाकार केर सेट मे सेहो पहिने सँ किछु परिवर्तन कयल गेल अछि। पात्र के बढेबाक घटेबाक सँ लैत दृश्य आ प्रस्तुति मे परिवर्तनक संग नव स्वरूप मे देखय लेल भेटत ई नाटक “मिता आब कोना चलब”। एहि मे दुइ महत्वपूर्ण संस्कृति केर झलक आ फ्यूजन केर प्रयोग कयल गेल बात विदिते अछि।
 
काठमांडू मे रहल मैथिलीभाषी दर्शक लेल एकटा नव सौगात होयत ई नाटक। मंडला नाटक घर मे एकर प्रदर्शन २० गते वैसाख सँ ५ गते जेठ धरि आयोजित कयल जायत। एहि नाटक केँ देखबाक लेल टिकट बुकिंग चालू अछि। संलग्न फोटो (पोस्टर) मे देल गेल सम्पर्क नम्बर पर फोन कय अपने लोकनि सेहो अपन स्थान एखनहिं सुरक्षित कय ली। एक बातक गारन्टी अछि जे ई नाटक देखलाक बाद नेपालक समग्र राजनीति आ सामाजिक-सांप्रदायिक परिवेश केर विषय मे भरपूर हास्य-व्यंग्य आ मनोरंजन संग नैतिक सन्देश संग सम्पूर्ण परिवार बेर-बेर मोन पाड़ैत रहब। एकर पूर्व वर्सन ‘आब कोना चलब’ केर प्रदर्शन १०० सँ बेसी बेर देशक विभिन्न भाग मे भऽ चुकल अछि। २० गते सँ ५ गते धरि काठमांडू केर ‘टाक अफ टाउन’ रहत सेहो गारन्टी अछि।
 
हरिः हरः!!