२८ अप्रैल २०१९. मैथिली जिन्दाबाद!!

दरभंगा सँ मुकाबला सीधा-सीधा राजग व संप्रग गठबन्धनक उम्मीदवार क्रमशः गोपाल जी ठाकुर एवं अब्दुल बारी सिद्दिकी केर बीच मे अछि। मुकाबला काफी रोचक आ नजदीकी होयबाक बात चुनाव पर नजरि रखनिहार राजनीतिक सुझबुझ राखयवला स्रोत सँ जानकारी भेटैत अछि। मोदी फैक्टर हावी रहितो उम्मीदवार सँ आन्तरिक प्रतिद्वंद्विताक असर दुनू उम्मीदवार लेल हावी रहबाक संभावना बतबैत छथि।
बेगूसराय मे मीडियाक प्रचार कन्हैया कुमार केँ सब सँ बीस कहि रहल अछि, परन्तु जमीन पर अवस्था दोसर अछि – डा. तनवीर हसन केर अनुभव आ महागठन्धन वला फैक्टर संग मुस्लिम वोट हुनकहि पक्ष मे पड़बाक कारण हुनकर पलड़ा बेसी भारी बतायल जा रहल अछि। तहिना मोदी फैक्टर आ राजग केर एकजूटताक कारण गिरिराज सिंह केर पोजिशन सेहो काफी मजबूत आ सुरक्षित रहबाक बात कहल गेल य। कन्हैया कुमार अपन युवा कैडर संग पार्टी कैडर केर वोट हासिल करैत तेसर स्थान पर कहल जा रहला अछि।
उजियारपुर लोकसभा क्षेत्र मे अनुभवी आ लोकप्रिय नित्यानन्द राय केर पलड़ा भारी अछि। हुनकर सामना उपेन्द्र कुशवाहा संग छन्हि। उपेन्द्र कुशवाहा केँ अपन जातीय मत जे उल्लेख्य संख्या मे छन्हि से भेटबाक उम्मीद छन्हि परन्तु ओ अन्तिम समय मे राजग छोड़ि महागठबन्धन मे गेला अछि, संगहि अपन विवादित बयान आदिक कारण मतदाता मे लोकप्रियता गमेलनि अछि, कहल जाइछ।
समस्तीपुर सुरक्षित सीट थिक। एतय सँ रामचन्द्र पासवान एवं डा. अशोक कुमार मुख्य प्रतिस्पर्धी छथि। रामचन्द्र पासवान केर लोकप्रियता मे उल्लेख्य कमी एला सँ हुनकर स्थिति बहुत नीक नहि कहल जाइछ। तखन मोदी फैक्टर जँ संग देतनि तखनहि पार लगतनि। डा. अशोक कुमार केर अपन व्यक्तिगत छवि सेहो स्वच्छ आ पहिल बेर चुनाव लड़बाक हेबाक कारण उम्मीद बनैत छन्हि। मुंगेर सँ ललन सिंह जदयू केर तीर छाप सँ चुनाव लड़ि रहल छथि। हिनका विरुद्ध कांग्रेस सँ नीलम देवी ठाढ छथि।