२३ अप्रैल २०१९. मैथिली जिन्दाबाद!!
मोदी वोट खसेलनि – कहलनि वोटर आईडी मे आईईडी सँ बेसी शक्ति
भारतक लोकसभा चुनाव केर तेसर चरण मे आइ १५ राज्य केर कुल ११७ सीट पर वोटिंग अछि। एहि चरण केर संगहि गुजरात, केरल, गोवा, कर्नाटक, छत्तीसगढ़, असम, दादर नागर हवेली और दमन-दीव केर समस्त लोकसभा सीट पर मतदान पूरा भऽ जायत। लोकसभा चुनाव ७ चरण मे भऽ रहल अछि। परिणाम २३ मई केँ घोषित होयत।
प्रधानमंत्री नरेन्द्र मोदी सेहो खसेलनि अपन वोट

एहि अवसर पर प्रधानमंत्री कि सब बजलाह
पीएम नरेंद्र मोदी वोट खसेलाक बाद बजलाह जे आइ देश मे तेसर चरणक मतदान भऽ रहल अछि। हमर सौभाग्य जे हमरो आइ अपन कर्तव्य निभेबाक अवसर भेटल अछि। वोट दय केँ एहि महान लोकतंत्र केर पाबनि मे सक्रिय भागीदारी करबाक अवसर भेटल। जेना कुंभ केर मेला मे स्नान कय केँ अनुभव होइत अछि, तहिना मतदान कयकेँ हम पवित्रता अनुभव कय रहल छी। हम सब मतदाता लोकनि सँ अपील करैत छी कि ओ सब उमंग सँ मतदान करथि। केकरा मतदान करबाक अछि, से भारत केर मतदाता सबसँ नीक जेकाँ कय सकैत छथि। पहिल बेर मतदान करनिहार केँ हमर बहुत-बहुत शुभकामना। ई सदी पहिल बेर वोट खसेनिहारक थिक। हुनका लोकनि केँ अपन सदी केँ उज्ज्वल बनेबाक लेल वोट करबाक अछि।’
मतदान करबाक अधिकार केर महत्व
मोदी बजलाह जे आतंकवाद केर शस्त्र IED होइत छैक और लोकतंत्र केर शस्त्र वोटर आईडी होइत छैक। हमरा लगैत अछि जे वोटर आईडी केर ताकत आईईडी सँ सेहो बेसी सशक्त होइत छैक। गुजरात केर गांधीनगर सीट पर आइ बीजेपी अध्यक्ष अमित शाह केर किस्मत सेहो EVM मे कैद भऽ जायत, हुनकर सामना कांग्रेस केर डॉ. सीजे चावड़ा सँ छन्हि।
(समाचार स्रोतः नवभारत टाइम्स)