मोदी लहैर नहि बल्कि सुनामी

दिग्विजय सिंह सभा मे नरेन्द्र मोदीक पूर्व चुनावी बात मोन पाड़ैत पूछलखिन जे केकरा-केकरा खाता मे १५ लाख टका नहि आयल से हाथ उठाउ, हुनकर सभा मे उपस्थित लगभग सब कियो हाथ उठा देलकनि। तखन मखौल उड़बैत ओ अपन धुन मे आगू बढैत ईहो पुछलखिन जे केकरा-केकरा खाता मे १५ लाख आबि गेल से हाथ उठाउ। ताहि पर एक गोट युवा हाथ उठा देलकनि। आब ओकरा बुरबक बनबैत ओ कहलखिन जे अहाँ एम्हर आउ, अपन खाता संग लेने आउ, इशारा करैत मंच पर बजेलखिन। बेचारा ओ युवक – कनीकाल लेल लजा गेल आ मंच सँ बिपरीत दिशा मे जाय लागल। लेकिन ओ कांग्रेसी वरिष्ठ नेता जखन ओकरा ललकारा देलखिन त ओहो ठानि लेलक जे हिनका १५ लाख के दर्शन करइये दैत छी। ओ युवा केँ दिग्विजय सिंह मंच दिश एबाक लेल कहलखिन, ओहो चट स’ घुमिकय मंच पर आयल आ माइक पर बाजब शुरू केलक। ओ कहलकैक –
“नरेन्द्र मोदी जी देश सँ आतंकवादी केँ भगौलनि, आतंकवादी सब केँ घर मे घुसिकय मारलनि।”
एतेक सुनैत देरी ओकर माइक सँ दूर करैत दिग्विजय सिंह आ हुनक कार्यकर्ता केँ मोदीक लहैर टा नहि सुनामी चलि रहबाक बात पता चलि गेलन्हि।
काल्हिये वैशाली जिलाक कोनो स्थान पर एक टीवी चैनल केर रिपोर्टर पब्लिक संग चाहक चुस्की लैत बातचीत करैत रिपोर्टिंग कय रहल छलाह। ओ पब्लिक सँ पुछथिन जे एहि बेर वैशाली सँ केकर स्थिति नीक अछि, अहाँ सभक काज ५ वर्ष मे केहेन भेल। बहुत बड़-बुजुर्ग लोकनि ओहि ठाम सँ लड़ि रहला राजद केर वरिष्ठ नेता रघुवंश प्रसाद सिंह केँ अपन पसीन बतौलनि, मुदा युवा आ विकासक विभिन्न काज सँ अवगत मतदाता लोकनि बेर-बेर मोदी-मोदी कयलनि, बिजली, सड़क, स्वास्थ्य, घर-घर मे शौचालय, घर-घर मे गैस सप्लाई, किसान लेल पेन्शन आदि कय गोट बात ओ सब मोदी द्वारा कयल जेबाक बात उजागर करैत मोदीक लहैर नहि सुनामी चलि रहबाक बात कहलनि। तथापि, किछु लोक जातिक नाम पर वोट देबाक आ मोदीक विरुद्ध जेबाक बात सेहो बजलाह। ओहि क्षेत्र सँ चुनल गेला संसद ५ वर्ष मे दर्शन नहि देलनि से शिकायत सेहो रखलाह। सम्पूर्ण साक्षात्कार मे ९५% पक्ष लेकिन मोदी-मोदी केर रहल। चूँकि देशक आमजन लेल सशक्त नेतृत्वक एक महत्वपूर्ण उदाहरण ठाढ कयलनि अछि मोदी जी, ताहि कारण यैह हवा चारूकात बहि रहल अछि। तखन त निर्णय २३ मई केँ आओत।
हरिः हरः!!