मोरंग केर पथरी शनिश्चरे मे एक युवतीक नग्न लाश भेटल

विराटनगर, २२ अप्रैल २०१९. मैथिली जिन्दाबाद!!

समाचार साभारः न्यु सृष्टि दैनिक

Photo Courtesy: Facebook

मोरंग केर पथरी शनिश्चरे १ निवासी एक २९ वर्षीया युवती रीना बस्नेत नग्न एवं मृत अवस्था मे शनि दिन भोर मे भेटली। भोरे-भोर टहलय लेल निकलल लोक द्वारा देखल गेल मुंहे भरे पड़ल नग्न अवस्था मे रहल मृत महिला केर सूचना पुलिस केँ देल गेल। एहि महिलाक पति वैदेशिक रोजगार मे यूएई मे रहबाक बात कहल जाइछ। रीनाक माथ मे गहींर चोटक निशानी आ लाशक पास काफी खून बहल देखायल। ओ अपन १४ वर्षीय पुत्र संग पथरी शनिश्चरे मे कास्मेटिक दोकान चलाकय रहि रहल छलीह।

शुक्र दिन संध्याकाल कोनो सांस्कृतिक कार्यक्रम (कान्सर्ट) देखय लेल अपन बेटाक संग ओ घर सँ बाहर गेल छलीह। पुलिस द्वारा कयल गेल आरम्भिक छानबिन मे महिला राति मे मदिरा सेवन कयल अवस्था मे देखल गेल रहथि। हुनक अन्तःवस्त्र हुनकर रहयवला डेरा घर सँ भेटल, लेकिन लाश घरक बाहर मुंह भरे पड़ल भेटल अछि। पुलिस एकरा आरो गहिंराई सँ छानबीन कय रहल अछि। जिला प्रहरी कार्यालय मोरंग केर एसपी मनोज केसी कहलथि अछि जे घटना शंकास्पद हेबाक कारण सूक्ष्म अनुसन्धान शुरू कयल गेल अछि। लाशक प्रकृति देखि बलात्कारक बाद हत्या कयल जेबाक आशंका अछि। नेपाल मे श्रीमान् वैदेशिक रोजगार मे जायब आ एम्हर श्रीमती संग अबैध शारीरिक सम्बन्ध बनेबाक कतेको रास घटना-दुर्घटना अधिकांश घटैत रहबाक स्थिति बहुत दुखद अछि। अपन परिवार केँ नीक सँ सुख-सुविधा सम्पन्न बनेबाक लेल एक दिश पुरुषवर्गक संघर्ष आ दोसर दिश महिला लोकनिक कमजोर मनःस्थितिक कारण एहि तरहक दुर्घटना सँ समाज केँ एकटा सीख लेबाक आवश्यकता अछि।