भारतक न्यूक्लियर बटन कि दिपावली लेल बनलैकः मोदी

२२ अप्रैल २०१९. मैथिली जिन्दाबाद!!

भारत मे आम निर्वाचन केर तेसर चरणक मतदान काल्हि २३ अप्रैल केँ होयत। एम्हर राष्ट्रीय जनतांत्रिक गठबन्धन केँ वोट देबाक आह्वान करैत प्रधानमंत्री नरेन्द्र मोदी एहि बेर हरेक भारतीय मतदाता सँ आतंकवाद आ आतंकवादक समर्थक देश पाकिस्तान केँ करारा जबाब देबाक बात बेर-बेर दोहरबैत एकटा अलग तरहक जोश भरैत देखा रहला अछि। काल्हि राजस्थानक बाड़मेर मे चुनावी सभा केँ संबोधित करैत ओ बड़ा खुलिकय एहि सन्दर्भ मे अपन बात रखलनि। अपन विशिष्ट अन्दाज आ शैली मे जनमानस सँ प्रश्न पूछैत अपन बात रखबाक शैली मे ओ कहलखिन जे पाकिस्तान बड़ी दिन सँ अपना पास न्यूक्लियर हथियार हेबाक आ ओकर प्रयोग भारतक विरुद्ध करबाक बात कय रहल छल। भारत आइ-काल्हि ओकर गीदरभभकी सँ डरेनाय छोड़ि देलक से ओकरा बुझय मे आबि गेलैक। बेर-बेर बाजय ‘हमरा पास न्यूक्लियर बटन अछि… हमरा पास न्यूक्लियर बटन अछि… अरे! तोरा पास न्यूक्लियर आब भेलौक हँ, भारतक पास तोरा सँ पहिने सँ छैक। हम सब कि ओ दीपावली लेल रखने छी?’ आगू आर ओ जनता सँ प्रश्न पूछैत कहलनि जे भारत आइ-काल्हि पाकिस्तानक धमकी सँ डरेबाक नीति छोड़ि देलक, ई ठीक भेल न? अहाँ सब सेहो यैह चाहैत रही न? हम आतंकीक मोन मे भय उत्पन्न केलहुँ, ई ठीक केलहुँ न? हम पाकिस्तानक सारा हेकड़ी निकालि देलहुँ, ओकरा कटोरा लय केँ घूमय पर मजबूर कय देलहुँ, ठीक केलहुँ न?