Search

आर्थिक विकास लेल प्रतिबद्ध प्रधानमंत्री केपी ओलीक घोषणा – विद्युतीय गाड़ी आब नेपाल मे बनत

१२ अप्रैल २०१९ । मैथिली जिन्दाबाद!!

नेपालक आर्थिक विकास आ भारतक विशाल बाजार
 
१९९० केर दशक सँ नेपालक औद्योगिक उत्पाद बेसीतर उपभोक्ता सामग्री लेल भारतक बाजार पूर्ण रूप सँ भारतक अपनहि उत्पाद ओ सामग्री जेकाँ खोलि देल गेल। ‘प्रिफरेन्सियल एन्ट्री’ केर फेसिलिटी दैत हारमोनिक कोड अफ नोमेनक्लेचर केर ४ डिजीट सँ आगू ६ आ ८ (आब १० डिजीट) धरि परिणति देल समान आ ताहि मे तेसर मुलुक केर कच्चा सामग्री जँ उपयोग कयल गेल अछि तऽ एक उचित मूल्यक जोड़ (value addition) केर नौर्म्स निर्धारित करैत नेपालक प्रत्येक उत्पादन लेल भारतक बाजार सर्टिफिकेट अफ ओरिजिन केर आधार पर उपलब्ध करायल गेल अछि। एहि सुविधा सँ नेपाल मे बड पैघ औद्योगिक क्रान्ति संभव भेल। लगानीकर्ता लेल नेपालक सीमित बाजार आ सीमित उपभोक्ता होयबाक जोखिम सँ ऊपर सीधे १३० करोड़ जनसंख्याक देश मे अपन उत्पाद बेचबाक अवसर उपलब्ध भेल। आइ करीब ३ दशक मे निर्माण क्षेत्र मे नेपाल मे बहुत रास उद्योग स्थापित भऽ सकल, तथापि उत्पादनक प्रविधि, तकनीक, गुणस्तर आ दक्ष श्रमिकक अभावक कारण विकास बहुत उच्चस्तरक संभव नहि भऽ सकल अछि। लेकिन, भारतक बाजार खुलल उपलब्य होयबाक एकमात्र विकल्प एहि हिमालयक कोरा मे बसल सुन्दर आ प्राकृतिक सम्पदाक बड पैघ खानक संभावना वला देश केर आर्थिक विकास लेल रामबाण सिद्ध भऽ रहल अछि, आगुओ एकर लाभ एतय अत्यधिक होयत सेहो स्पष्टे य।
 
काल्हि ११ अप्रैल नेपालक प्रधानमन्त्री केपी शर्मा ओली द्वारा उद्योग वाणिज्य महासंघ केर ५३म वार्षिक साधारण सभाक उद्घाटन सत्र मे कतेको रास आर्थिक विकासक अवधारणा पर खुलस्त चर्चा उठायल गेल छल। पैघ-स्तरक निर्माण मे सिमेन्ट, विद्युत उत्पादन, कागज, चीनी, धागा आदि किछेक रास कारखाना मात्र खुलि सकल राष्ट्र मे विद्युतीय गाड़ी (Electric Vehicle) केर कारखाना स्थापना करबाक घोषणा प्रधानमन्त्री ओली द्वारा कयल गेल अछि। हालहि सम्पन्न सर्वे मे सेहो एहेन संभावना पर अध्ययन कयल गेल छल जाहि मे आगामी समय मे विद्युतीय गाड़ी अनिवार्य होयबाक कारण एहि ठाम एकर निर्माण व्यवसाय प्रभावकारी होयबाक बात कहल गेल रहय। पीएम ओली एहि निर्माण उद्योगक स्थापनाक लेल सहयोग करय वास्ते उद्योगी व्यवसायी लोकनि केँ सेहो आग्रह कयलनि। नेपाल मे नव संविधान अन्तर्गत गठित पहिल गणतान्त्रिक राष्ट्र नेपालक सरकारक मुखिया ‘समृद्ध नेपाल सुखी नेपाली’ केर नारा संग देशक नेतृत्व कय रहला अछि। एहि उद्योग लेल सेहो संयोग नीक होयत जे भारतक खुला बाजार केर उपयोग कयल जा सकत। हालांकि भारत मे पहिनहि सँ कय गोट बहुराष्ट्रीय कम्पनी गाड़ी निर्माण क्षेत्र मे कार्यरत अछि, लेकिन ईवी (विद्युतीय गाड़ी) केर मांग केँ नेपालक निर्माण क्षेत्र सँ सेहो कम्पीटिशन भेटत आ कम खर्च पर भारत मे बाजार भेटि सकत। ग्लोबल वार्मिंग आ प्रदूषण सँ बचबाक लेल ईवी केर मांग काफी होयबाक संभावना अछि।
 
नेपाल उद्योग वाणिज्य महासंघक ५३म वार्षिक साधारण सभाक उद्घाटन करैत पीएम ओली खनिज उत्खनन्, सिमेन्टक उत्पादन मे वृद्धि, रेलमार्ग केर निर्माण आर सञ्चालन कय केँ सरकार नेपालदेश केँ समृद्ध बनेबाक संकल्प लेने अछि सेहो स्पष्ट कयल गेल। उद्योग आर आर्थिक क्षेत्रक उन्नति मे न्युनतम ५५ प्रतिशत लगानी करबाक आग्रह उद्योगी समाज सँ कयलनि। ताहि लेल उद्योगी सब केँ अवसर, अधिकार, सहुलियत देबाक वास्ते सरकार प्रतिबद्ध रहबाक बात कहलखिन। उद्योग क्षेत्रक विकासक लेल आवश्यक रहल कानुनी व्यवस्था करय लेल सरकार तैयार रहबाक आश्वासन सेहो पीएम देलखिन। तहिना महासंघक अध्यक्ष भवानी राणा सेहो उद्योगी-व्यवसायीक तरफ सँ राष्ट्रप्रमुख केँ आश्वासन देलीह। आशा करी जे आगामी किछु वर्ष नेपालक आर्थिक प्रगति लेल काफी महत्वपूर्ण होयत, कारण एखन एक स्थिर सरकार सौभाग्य सँ राष्ट्र केँ भेटल अछि, आवश्यकता एतबे छैक जे तत्परता सँ सब काज आगू बढय।
 
हरिः हरः!!

Related Articles