मैथिली जिन्दाबाद दिश सँ मोदी जी केँ खूब रास बधाई

मोदी जी केँ पूरे विश्व मे उच्च सम्मान सँ देखल जाइत अछि

भारतदेशक प्रखर आ ओजस्वी नेता वर्तमान प्रधानमंत्री नरेन्द्र मोदी केँ संयुक्त अरब अमीरात (UAE) केर क्राउन प्रिंस (Crown Prince) जायेद अल नाह्यान द्वारा ओहि देशक सर्वोच्च नागरिक सम्मान देबाक घोषणा कयल गेल अछि। वैश्विक दृष्टि सँ यूएई (UAE) केर ई सम्मान बहुत उच्च महत्व रखैत अछि। क्राउन प्रिंस मोहम्मद बिन जायेद अल नाह्यान सम्मानक घोषणा कयलनि आ कहलनि जे भारतक संग ऐतिहासिक एवं व्यापक रणनीतिक सम्बन्ध केँ आरो प्रगाढ ओ सशक्त बनेबाक दिशा मे भारतीय प्रधानमंत्री नरेन्द्र मोदी बहुत महत्वपूर्ण भूमिका निभेलनि अछि। भारतीय प्रधानमंत्री मोदी जी सेहो एहि सम्मान लेल आभार प्रकट करैत एकरा विनम्रता सँ स्वीकार कयलनि अछि। ‘दुइ देशक सम्बन्ध केँ मजबूत बनेबा मे हुनकर प्रयासक सराहना करैत यूएई केर राष्ट्रपति हुनका जायेद मेडल सँ सम्मानित करबाक निर्णय लेलक अछि।’ ई ट्वीट क्राउन प्रिंस द्वारा कयल गेल। यूएई केर ई सम्मान राजा, राष्ट्रपति और राष्ट्राध्यक्ष लोकनि केँ देल जायवला सर्वोच्च सम्मान थिक।

अहाँ मानू या नहि मानू, नरेन्द्र मोदी जी केर नेतृत्व क्षमता मे कथमपि मुस्लिम या कोनो आन धर्मक लोक प्रति कोनो घृणा अथवा विभेदक भाव कतहु सँ नहि देखल गेल। लेकिन अपनहि स्वदेश मे हिनका क्रूर, तानाशाह, मुस्लिम हेटर, मास डेस्ट्रक्टर आ कि कहाँ दैन अनेकों वीभत्स उपाधि सँ बदनाम करबाक कुत्सित प्रयास पिछला गोधरा कांड उपरान्त गुजरात मे भेल हिन्दू-मुस्लिम सांप्रदायिक दंगाक समय सँ कयल जाइत रहल अछि। जखन कि नरेन्द्र मोदी हिन्दुत्वक एजेन्डा आ राष्ट्रवाद केर नारा संग भारत केँ पूरे विश्व परिवेश मे स्थापित करैत समग्र मानवता लेल काज करैत छथि। भारत मे कांग्रेसक छद्म धर्मनिरपेक्षताक मुखर विरोधी रहला अछि। हिनका जातिवादी या वर्गवादी आधार पर राजनीति सेहो पसीन नहि छन्हि लेकिन देशक बुनियादी ढाँचा मे सत्ता धरि पहुँचबाक रास्ता पिछला ७ दशक सँ जाहि तरहें ठाढ कयल गेल अछि तेकरा ई रातारात नहि बदैल सकैत छथि आर एहि कारणे सुप्रीम कोर्ट केर आदेश भेलो पर एससीएसटी एक्ट केँ अध्यादेश सँ पुनः लागू करैत देश मे बदलाव केँ क्रमशः स्थापित करय लेल ईहो वैह काज करैत छथि। सामाजिक न्याय लेल आर्थिक स्थिति केँ आधार मानि एक गोट क्रान्तिकारी काज सेहो करबे केलनि अछि। लेकिन भारत मे राजनीतिक अस्थिरता लेल कतेको प्रयास एखनहुँ होइत रहबाक कारण आइयो धरि मोदी जी प्रति बहुत गलत धारणा प्रचारित-प्रसारित कयल जा रहल अछि।

मैथिली जिन्दाबाद केर तरफ सँ मोदी जी (Narendra Modi) केँ बधाई!

हरिः हरः!!