मिथिला संस्कृति महोत्सव: ६, ७ आ ८ जुन मधुबनी मे

मिथिला संस्कृति महोत्सव, मधुबनी मे मुख्यमंत्री नितीश कुमार द्वारा उद्घाटन उपरान्त संबोधन: बिना मिथिलाक विकास बिहारक विकास अधूरा (पूर्वक तस्वीर)

किसलय कृष्ण, मधुबनी। मई १३, २०१५. मैथिली जिन्दाबाद!!

मिथिला संस्कृति महोत्सव, मधुबनी मे मुख्यमंत्री नितीश कुमार द्वारा उद्घाटन उपरान्त संबोधन: बिना मिथिलाक विकास बिहारक विकास अधूरा (पूर्वक तस्वीर)
मिथिला संस्कृति महोत्सव, मधुबनी मे मुख्यमंत्री नितीश कुमार द्वारा उद्घाटन उपरान्त संबोधन: बिना मिथिलाक विकास बिहारक विकास अधूरा (पूर्वक तस्वीर)

बिहार सरकारक कला तथा संस्कृति मंत्रालय द्वारा प्रायोजित मधुबनीक टाउन क्लब मैदान मे आगामी जुन ६, ७ आ ८ तारीख तीन दिवसीय मिथिला संस्कृति महोत्सवक आयोजन कैल जायत। एकर उद्घाटन बिहारक मुख्यमंत्री नितीश कुमार द्वारा कैल जायत। एहि महोत्सव आयोजन समितिक संस्कृति प्रभारीक रूप मे किसलय कृष्ण केँ मनोनीत कैल गेलनि अछि। कार्यक्रम मे भारत तथा नेपाल दुनु कातक मिथिलाक्षेत्र सँ वृहत स्तर पर अतिथि, कलाकार एवं अभियानीक सहभागिता रहत।

आयोजन हेतु एकटा बैसार आइ मधुबनी मे राखल गेल छल जाहिमे कार्यक्रम सँ जुड़ल विभिन्न पक्ष पर वृहत चर्चा करैत आयोजनकेँ भव्यतापूर्वक सफल बनेबाक लेल निर्णय लेल गेल। नेपाल सँ अभियानी अतिथि प्रवीण नारायण चौधरी तथा आमंत्रित विशिष्ट कलाकार अतिथिमे सुनील मल्लिक, रूपा झा एवं धीरेन्द्र प्रेमर्षि उपरोक्त कार्यक्रम मे सहभागी हेता। तहिना भारतीय मिथिलाक विभिन्न जिला सँ अभियानी एवं कलाकार लोकनिक सहभागिता निस्तुकी कैल जायत। मुंबई सँ ज्ञानेश्वर दुबे, पटना सँ रंजना झा, समस्तीपुर सँ सुरेश पंकज, मधुबनी सँ पवन नारायण, बीरपुर (सुपौल) सँ स्नेहा झा आ दरभंगा सँ ममता राजे केर सहभागिताक बतौर मैथिलीक प्रसिद्ध कला व गायक केर रूप मे रहत। कार्यक्रमक संपूर्ण विवरण सहित मुख्य विन्दु पर प्रकाश लेल समय-समय पर मैथिली जिन्दाबाद अपडेट करैत रहत।

सामान्यतया बिहार सरकार द्वारा आयोजित कोनो भी महोत्सव मे जिला प्रशासन द्वारा मैथिलीक आड़ मे गैर-मैथिलीक फूहर नाच-गाना बेसी करेबाक कतेको कूचर्चित उदाहरण सोझाँ मे देखल गेल अछि। लेकिन एहि बेरुक कार्यक्रम मे जिला प्रशासन द्वारा खास ध्यान राखल जा रहल अछि जे मैथिली स्वयं मे पुष्ट भाषा आ पूर्ण संस्कृति रहैत अन्य भाषा वा संस्कृतिकेँ घोंसियेबाक कोनो प्रकारक विद्वेषी राजनीति नहि होयत। कार्यक्रम आयोजन समितिक चुनाव मे सेहो एहि बातक ध्यान राखल गेल अछि जे दक्ष, विज्ञ आ लोकप्रिय सज्जन सबहक संयोजन समिति बनय। अत: एकटा नीक कार्यक्रम होयबाक पूर्ण आशा करैत मैथिली जिन्दाबाद एकर सफलताक लेल शुभकामना सेहो अग्रिमे मे दय रहल अछि।