जनकपुरधाम, २२ जनवरी २०१९ । मैथिली जिन्दाबाद!!

कार्यालय समुदघाटन र सम्मान कार्यक्रम मे जनकपुरधाम उपमहानगरपालिकाक प्रमुख लालकिशोर साह, प्रमुख जिल्ला अधिकारी प्रदीप राज कणेल, जिल्ला समन्वय समितिक प्रमुख रामदेव बनरैत यादव सहित उपस्थित छलाह जतय क्लोथ बैंक धनुषाक अध्यक्ष राजीव झा द्वारा बैंक केर कार्यालय नापपट्ट पढिकय उद्घाटन सम्पन्न भेल। समारोह मे एहि बैंक केँ विभिन्न तरहक नव कपड़ा दान करैत आगाँ गरीब-असहाय केँ सेवा पहुँचेबाक मानवीय कार्य मे सहयोग देनिहार ‘मित्र धनुषा’, ‘वृहतर जनकपुर क्षेत्र विकास परिषद’ तथा ‘शिवचौक केर दीपेन्द्र इम्पिोरियम’ केँ सम्मानपत्र प्रदान कय सम्मान कयल गेल अछि। एहि बीच अध्यक्ष राजीव झा द्वारा बैंकक एखन धरिक सेवाकार्यक विवरण प्रस्तुत कयल गेल।
उपस्थित विभिन्न अतिथि द्वारा क्लोथ बैंकक अवधारणा केँ परोपकारक काज लेल होयब कहल गेल। जनकपुर समान तीर्थक्षेत्र जतय लाखोंक संख्या मे मानव-तीर्थयात्री सभक आबरजात होइत अछि, कतेको पीड़ा आ अभाव मे रहल लोक केँ जाड़ मे ठिठुरैत आ गर्मी मे पर्यन्त उघारे देहे, राति मे बिना बिछाउन-विस्तर कतहु फूटपाथे पर सुतल-पड़ल देखल जाइत अछि, एहेन व्यक्ति सभक लेल ई क्लोथ बैंक केर सहयोग बड पैघ मानव सेवा होयबाक भावना प्रस्तुत कयल गेल। संगहि एहि बैंक मे सक्षम-सामर्थ्यवान लोक सब सँ भरपूर सहयोग देबाक आम आह्वान सेहो ई लोकनि कयलनि। कार्यक्रम मे जनकपुर अञ्चल बस व्यवसायी संघक अध्यक्ष मनोज चौधरी, पत्रकार कैलाश दास, दिपक कर्ण सहित आरो लोकनि अपन-अपन धारणा रखने छलाह।