पवन कुमार चौधरी, दरभंगा। १५ जनवरी २०१९, मैथिली जिन्दाबाद!!
दरभंगा सँ एक युवा कलाकार जिनकर कला हम शेयर कय रहल छी। जिनका सब केँ ई कलाकार केँ प्रोत्साहन करऽ के मन हुअय त हुनकर मधुबनी पेन्टिंग के अनुपम संग्रह सऽ किछु खरीददारी कय ई युवा मधुबनी पेन्टर जे एक मास्टर इन आर्ट छथि तिनका प्रोत्साहित कय सकैत छी।
दरभंगाक लहेरियासराय समीपक गोविंदपुर गांव निवासी स्वर्गीय सुशील चौधरी के पुत्री नीतू कुमारी एक उभरैत कलाकार जिनकर कला एखन तक न कियो जनने रहियै और नहिये पहचनाने रहियै …. हुनकर कला मैथिल अड्डा – कनेक्ट टु मिथिला पर शेयर कय रहल छी, जेना अहाँ सब के ज्ञात हएत जै “मैथिल अड्डा – कनेक्ट टू मिथिला” उभरैत कलाकार केर पहचान केँ सभक आगाँ बढ़ाबय में सहयोग करै छैक। – मैथिल अड्डा केर संचालक राकेश कुमार झा केर उक्ति सँ प्रभावित होइत मैथिली जिन्दाबाद पर सेहो एहि पोस्ट केँ प्रकाशित कयल गेल अछि।
नीतू कुमारी जिनकर पढ़ाई एम्. ए. इंग्लिश छैन, ओ पढ़ाई के साथ साथ मिथिला के कला और संस्कृति के बढ़िया सा पहचानला … और मन मे मिथिला पेंटिंग केँ आगू और बढ़बैय लेल कुछ करइ के सपना देखला, त आबू एहि उभरैत कलाकार केँ आगू करय लेल इए के लेल हम सब हिनकर द्वारा बनायल गेल किछु मिथिला पेंटिंग केँ देखी और खरीदी।
हिनकर परिचय –
नीतू कुमारी
स्व. सुशील चौधरी
गांव गोविंदपुर
पोस्ट लहेरिअसारै
जिला दरभंगा
शिक्षा – BA(ENGLISH)B.LIBS+M.LIBS+MA(ENGLISH)
CONT NO- ९५०७२८७३४९/७९७९०४८६५५
हमर फेसबुक आइडी – https://www.facebook.com/profile.php?id=100006430734918
कलाकृतिक नमूना १
कलाकृतिक किछु अन्य नमूना








4 Comments
बहुत सुन्दर लाजबाब
Maithalijinda site is a good painting art famous in all india si thanks maidam https://www.shivdigitalmarketing.in
Good job. I am also belongs from govindpur village. Feels proud on her virtue. Go ahead god may give you success in your area.
Very good job done. It’s remembering of our Maithli culture. Proud to be brother of such talented personality.