नेपालक प्रदेश २ मे मंत्री द्वारा सचिव संग मारिपीट करबाक मामिला

समाचार साभार – कान्तिपुर

जनकपुर — प्रदेश २ केर आर्थिक मामिला तथा योजनामन्त्री विजय यादव द्वारा सचिव पर हाथापाई कयल गेल अछि । आइये रवि दिन मन्त्री यादव द्वारा उद्योग वन, पर्यटन तथा वातावरण मन्त्रालयक सचिव विद्यानाथ झा केँ अपनहिं कार्यकक्ष मे बजाकय मारिपीट कयल गेल अछि । कुटाय खेनिहार सचिव केँ प्रहरी उल्टे नियन्त्रण मे लेलक ।

मन्त्री सँ कुटाय खेनिहार वन, वातावरण तथा पर्यटन मन्त्रालयक सचिव विद्यानाथ झा केँ नियन्त्रण मे लैत प्रहरी । तस्बिर: सन्तोष सिंह -कान्तिपुर ।

सचिव झा केँ मन्त्री द्वारा मारि-पीट केलाक बाद कर्मचारी लोकनि मुख्य द्वार पर धरना देने छलाह । मन्त्री केँ हुनक अपनहि कोठरी मे बन्द करबाक बाद सचिव झा केँ प्रहरी द्वारा नियन्त्रण मे लेल गेल अछि ।
मन्त्री यादव अपना द्वारा मारि-पीट नहि करबाक दावी कयल गेल अछि । ओ कहलनि जे सचिव झा प्रदेशक सभामुख आर एक अन्य मन्त्रीक सोझाँ ‘हम लोकल छी’ कहैत अपन पदीय मर्यादा बिसैरिकय जोर-जोर आवाज मे बजैत कोठली सँ बाहर निकललाह ।
कर्णाली प्रदेशक उद्योग, पर्यटन तथा वातावरण मन्त्री नन्द बुढा द्वारा हुनका नहि टेरबाक बात कहैत सचिव झा केँ गत जेठ मास मे केन्द्रक वन तथा वातावरण मन्त्रालय मे वापस पठा देल गेल छलन्हि । किछु दिन वन अनुसन्धान तथा तालिम केन्द्र मे उपमहानिर्देशक रहलाक बाद झा केँ गत आसिन मे प्रदेश २ केर मन्त्रालयक सचिवक रूप मे खटायल गेल छलन्हि ।