पंकज झा, मुंबई। मई ११, २०१५. मैथिली जिन्दाबाद!!
दहेज़ मुक्त मिथिला अभियानक श्रृंखलाबद्ध कार्यक्रम भारत एवं नेपालक विभिन्न शहर मे चलैत रहल अछि। मुदा समाजक किछु वरिष्ठ बुद्धिजीवी तथा समाजसेवी केर सुझाव पर आब ई अभियान गामक तरफ अपन रुख धेलक. एहि क्रम मे आगामी १५.०५.२०१५ बुद्धदिन सँ श्री जरी मरी माता संकीर्तन सेवा संसथान मुंबई केर विशेष सहयोग सँ मिथिला केँ दहेज़ मुक्त करबाक लेल ग्राम परसौनी, बेनीपट्टी, मधुबनी मे समाज सँ आवाहन करैत अखंड संकीर्तन १५.०५.२०१५ केर भोरका उखरा ८.३० बजे सँ प्रारंभ होयत जे कि १६.०५.२०१५ केर भोर तक चलत.
दिनांक १६.०५.२०१५ केँ दुपहर 12 बजे सँ लऽ कऽ देर राइत तक मिथिला केँ दहेज़ मुक्त करबाक लेल समाजक सब वर्ग सँअनुरोध करबाक संग एकर उपाय पर परिचर्चा एवं भव्य सांस्कृतिक कार्यक्रम बीच राम विवाह झाँकी केर प्रदर्शन कैल जायत. चुँकि पड़ोसी देश नेपाल मे भेल भूकंपक त्रासदी सँ समय बिपरीत अछि, ताहि कारण कार्यक्रम केर रूप रेखा केँ सिमित कयल गेल अछि एवं पीड़ित परिवार प्रति सम्वेदना प्रकट करबाक संग दिवंगत आत्माक शांति लेल प्रभु सँ सुमिरन करबाक सेहो नियार भेल अछि.
कार्यक्रम केर सफलताक लेल श्री जरी मरी माता संकीर्तन सेवा संस्थान मुंबई केर संस्थापक एवं दहेज़ मुक्त मिथिला केर संरक्षक पं धर्मानंद झा केर नेतृत्व मे शेषनारायण झा, दिलीप मंडल, सुधीर मंडल आदि सैकड़ों अभियानी मिथिला पहुँच चुकल छथि वा पहुँच रहला अछि. मिथिला एवं देश केर अन्यान्य कोण सँ लोक सब परसौनी पहुँच रहला अछि. दहेज़ मुक्त मिथिला केर राष्ट्रीय अध्यक्ष श्री पंकज झा द्वारा समाज केर सब वर्गक लोक केँ एहि कार्यक्रम मे सहभागी हेबाक नेहोरा कायल गेल अछि. गर्मीक छुट्टी मे बहुतो बहरिया सब सेहो गाम पहुंचल छैथ हुनको सब केँ एक दिन समय निकाइल एहि महायज्ञ मे सहभागी बनबाक अनुरोध कयल गेल अछि. जे कियो उपस्थित हेबाक इक्षुक होइथ से विभिन्न संपर्क नं पर संपर्क करैत सहभागी बनि सकैत छथि। एहि लेल सम्पर्क एहि तरहें देल गेल अछि: ०९८२१६१६७९६,०९८६७२३९१३९,०९०२२६१६२६१.