सामा-चकेवाक विदाई करैत सब भावुक बनि गेल मिथिला मे

वर्तमान घोर कलियुग आ मिथिलाक जनमानस पर पड़ि रहल लोकपलायनक प्रभाव सँ ई महत्वपूर्ण पाबैन आब वैह रीति-रेबाज मे भले नहि मनाओल जाय, लेकिन सामा-चकेवाक रेडीमेड मूर्ति कीनिकय अपन महत्वपूर्ण परम्परा केँ शहरो मे जिबैत छथि। एहि वर्ष सेहो पूरे नेपाल आ भारत केर विभिन्न शहर-नगर मे रहनिहार मैथिल जनजाति-जनमानस ई पाबैन विशेष रूप सँ मनौलक अछि। मिथिलाक थारू समुदाय जे नेपाल मे नीक संख्या मे रहैत छथि, हुनका लोकनि द्वारा एहि पाबनिक मौलिक रूप केँ जीवन्त होयबाक कइएक उदाहरण देखल जा सकैत छैक। अपन विशेष पहिरन आ गहना मे सजल थारू समुदायक माय-बहिन-बेटी बड़का-बड़का माफा सजाकय सामा-चकेवाक विदाई समारोह सामूहिक गान आ नृत्य करैत आयोजित करैत छथि। सामा-चकेवा ओना तऽ घर-घर मे बनैत अछि मुदा राति दोसर वा तेसर पहर मे सब सखी-बहिनपा लोकनि मिलिजुलि कोनो खेत मे अथवा पोखरीक महारपर एकठाम दिया बारिकय गोलाकार मे बैसि अपन-अपन चंगेरा मे सामा-चकेवा सहित सब पात्रक मूर्ति सजाकय दिनक अनुसार विधि-व्यवहार करैत ई पाबैन मनबैत छथि। एहि मे नहिये कोनो पंडित चाही, नहिये कोनो मंत्रोच्चारणक जरूरत छैक, बस भावना सँ देवता केँ प्रसन्न करबाक ई विलक्षण परम्परा मिथिलाक लोकमानस मे युगों-युगों सँ देखाय दैत अछि।
सामाक विदाई पर गाओल जायवला एकटा गीतक मिठास मे कियो डूबि सकैत अछि, गौर करू:
गे माई दुभिया भोजन करू सामा हे चकेवा लागि गेल पान के दोकान
गे माई सेहो पान खेलनि भैया से सभे भैया रंगि गेल बतीसो मुख दाँत
धान भोजन करू सामा हे चकेबा लागि गेल सिनुरक दोकान-२
गे माई, सेहो सिनुर लगबथि भौजो से ऐहब भौजो जुगे-जुगे बढनु अहिबात
गे माई दुभिया भोजन…
आ गे डिहुली, सामा जाय छै सासूर, किछु गहना चाही गे डिहुली
आहे जाहु हे सामा, जाहु हे चकेबा, भैया सब के आशीष देने जाउ
हिलि लिअऽ मिलि लिअऽ संग रे सहेलिया, आब सामा जाय छै दूर देश
कथी केने एलहुँ सामा, कथी केने जाय छी, पोरकाँ पलटि फेर आयब
जीबह जीबह भैया सब केँ कहि दिअ, जीबू भैया लाख बरिस
जीबू भैया लाख बरिस…. जीबू भैया लाख बरिस
वाह! मिथिलाक सभ्यताक पूर्णता पर गर्व होइत अछि। मैथिली गायिका पूनम मिश्र केर आवाज मे यू-ट्युब पर ई गीत सुनल जाउ:
सुनू आ आनन्दित होउ। काल्हि सुन्सरी आ मोरंग केर अनेकों स्थान पर आमजनक समूह द्वारा जाहि भव्यताक संग सामा विसर्जन करैत देखल तेकर आनन्द सँ सराबोर छी।
जय मिथिला – जय जानकी!!
हरि: हर:!!