विशेष सम्पादकीय
– समाचार संपादक किसलय कृष्ण
मैथिली फिल्म प्रेमक बसात मादे
मैथिली_सिनेमाक_ऐतिहासिक_मोड़_प्रेमक_बसात
…….आजुक दिन ओहि तमाम लोक लेल हर्षक दिन अछि, जे बेर बेर अप्पन मोनमे, अप्पन शब्दमे #मैथिली_फिल्म_उद्योग केर संकल्पना गढ़ैत छथि, तिनका सभक लेल हर्षानुभूतिक पल थीक । आइ ओहि तमाम आंदोलनीक लेल सीख लेबाक दिन अछि जे मिथिला राज्यक सपना तऽ देखैत छथि मुदा सम्पूर्ण मिथिलाकेँ जोड़ि नहि सकल छथि एहि विन्दु पर, किएक तऽ आइ एक संग दुनू पार (भारत-नेपाल)क मिथिलाक कोण-कोणमे मैथिली फिल्म #प्रेमक_बसात एक संग मैथिलीक उपस्थिति दर्ज करा रहल अछि… एना पहिल बेर भेल अछि, जकर श्रेय जाइत अछि उत्साही निर्माता #वेदान्त_झा, कार्यकारी निर्माता #कुणाल_ठाकुर आ रंगकर्मसँ फिल्मकर्म धरिक यात्रा केनिहार लेखक-निर्देशक #रूपक_शरर केँ । सामाजिक विषयवस्तु, कर्णप्रिय गीत-संगीत आ नायक-नायिका पीयूष-रैनाक जोड़ीक संगहि एहि फिल्ममे मैलोरंग रेपर्टरीक माँजल रंगकर्मी #जीतू_सम्राट (मधेपुरा), #आशुतोष_सागर (मधुबनी), #प्रज्ञा_झा (नेपाल), #गोविन्द_पाठक (समस्तीपुर), #आरती_शंकर (सहरसा) संग गंगाजलक दरोगाजी #एस_सी_मिश्रा आदिक सशक्त अभिनयसँ सजल ई फिल्म कैक अर्थे सकारात्मक अछि ।
#प्रवेश_मल्लिक, #सरोज_सुमन आ #सारिका_कुमार केर संगीतमे आदित्य नारायण, तोची रैना, सुनिल मल्लिक, श्रावणी आदिक गायन कर्णप्रिय…. बाँकी एखन समीक्षाक बेर नहि, फिल्मकेँ सपोर्ट करबाक अवसर अछि । मैथिली फिल्मकेँ हॉल नहि भेटैत अछि, से मिथक तोड़बाक लेल टीम प्रेमक बसातकें बधाई…. आब हमरा सभक कर्त्तव्य जे दर्शकक हुजूमसँ पूर्णिया, बेगूसराय, बखरी, मुजफ्फरपुर, दरभंगा, राजनगर, बिरौल, सुपौल, बेनीपट्टी सँ लऽ कऽ वीरगंज टू विराटनगर धरि निरन्तर हाउसफुल कऽ दी आ मैथिली फिल्मकें बंग्ला, मराठी, नेपाली फिल्म उद्योगक समकक्ष ठाढ़ करबामे अपन योगदान दी ।