पुअर होम दरिभंगा मे अनाथालय निर्माण हेतु आन्दोलन लेल बैसार

राकेश झा, दरिभंगा। मई १०, २०१५. मैथिली जिन्दाबाद!!

पुअरहोम केर गोरखघंधा मे पिसैत दरिभंगाक अनाथ

poor home1940 में जाहि समय मदर टरेसा अपन अनाथालय दुटा छोट छिन रूम सं स्थापित केने छलि , ओहि साल दरिभंगा में कामेश्वरी प्रिया पुअर होम ट्रस्ट के नींव राखल गेल । मुदा आश्चर्य जे 1975 ई० सं अय पुअर होम में एक्को टा अनाथ के नय राखल गेल अय ई बात लहेरियासराय सी० जी० एम० कोर्ट में बजाप्ते ट्रस्ट संचालक द्वारा कलमबद्ध कराओल गेल अय । एकर कुप्रबंधनक खिलाफ दरिभंगाक बुद्धिजीवी वर्ग द्वारा पुअर होम पुर्नरूद्धार समितिक स्थापना कायल गेल जाहि में श्रीमान् जयशंकर झा, डा. बुचरु पासवान, प्रो. उदय शंकर मिश्र  आदिक योगदान उल्लेखनीय अय ।

र्वतमान में पुअरहोम पुनरुद्धार समिति पुअरहोम अनाथालय के कुप्रबंधनक मामला के न्यायिक प्रक्रिया स सुलझावै के वास्ते मानवाधिकार आयोग आ हाईकोर्ट में मुकदमा लैड़ रहल अय, जाहि में मानवाधिकार आयोग आ बिहार सरकारक समाज कल्याण विभागक मंत्रीक आदेशानुसार पुअर होमक संचालन पुअरहोम पुर्नरूद्धार समिति आ सिविल सोसाईटीक माध्यम् स चलवावै के स्पष्ट आदेश केलक , मुदा दरिभंगा डी० एम० राजनीतिक दबाब में आबि कोनो उचित कार्यवाही नय क टाल-मटोल के रवैया अपनेने छाईत ,जेकर नाजायज फायदा कामेश्वरी प्रिया पुअरहोम अनाथालय के ट्रस्टी संचालक कामेश्वरी प्रिया पुअरहोम अनाथालय के चल-अचल संपतिक प्रयोग व्यक्तिगत हित साधन में क लाभ उठा रहल छाईत । ऐकर खिलाफ एकटा चरणबद्ध आंदोलनक शुरूआत 15 मई क पुअरहोम पुनरुद्धार समिति द्वारा दरिभंगा समाहरणालय के समक्ष करल जाईंत तेकर निर्णय आजुक प्रेस कांफ्रेंस में भेल । ई प्रेस कांफ्रेस दरिभंगाक आम आवामक सहभागिता भेल आ सभ पुअरहोम अनाथालय केर पुर्नरुद्धारक प्रति प्रतिबद्धताक शपथ लेलक ।