नेपालक प्रदेश 2 में 8 गोट पर्यटक स्थल जोड़ल गेल, भोरक प्रयास सफल

जनकपुर, नवम्बर 1, 2018 । मैथिली जिन्दाबाद!!

मिथिला पयर्टन अभियान में काफी समय सँ अथक प्रयास स्वरुप नेपाल सरकार तथा सरोकारवाला सभक संग कयल गेल वकालत तथा प्राविधिक सहयोगक योगदानक प्रतिफल आइ भेेेटबाक जाानकारी भोर संस्थाक संस्थापक राजकुमार महतो देलनि अछि। एहि अभियान में लागल सभ सहभागी तथा सहयोगी केँ धन्यवाद दैत ओ कहलनि जे नेपाल सरकार द्वारा घोषणा कयल गेल 100 नव पर्यटकिय गन्तव्य मध्य मिथिला पर्यटन क्षेत्रक 10 गोट नव स्थान समावेश भेल अछि। मिथिला पर्यटन अंतर्गत जिला  अनुसार नया पर्यटकिय गन्तव्य एहि प्रकार अछि ।

सिरहा : सहलेस दरबार पर्यटन क्षेत्र

सर्लाही : नाढी ताल

महोत्तरी : जलेश्वर मन्दिर

रौतहट : मरघर सिमसार क्षेत्र र पतौरा पुरातात्विक महादेव मन्दिर

बारा : सिम्रौनगढ

पर्सा : घडिअर्वा पोखरी

सप्तरी : छिन्नमस्ता मन्दिर

महतो कहलनि जे एखन आरो बहुत स्थान एहि में जुड़त। देश विदेश केर पर्यटक एहि सब स्थल पर भ्रमण केला सँ क्षेत्र आ राष्ट्र दुनू प्रगति राह पर अग्रसर होयत।
मोरड. : धनपालगढी पर्यटकीय क्षेत्र
सुनसरी : पिण्डेश्वर दन्तकाली पदमार्ग