मैथिली एनिमेटेड फिल्म केर बढावा लेल प्रायोजकक मांग
प्रायोजक वास्ते अत्यल्प लगानी मे बेहतरीन विज्ञापनक अवसर
विज्ञापन लेल महान् अवसर – मिथिला ब्वाइज प्रोडक्सन चैनल

अभिकाश जानकारी दैत कहलनि अछि जे एखन धरि यूट्युब पर मोनिटाइजेशन सँ अर्जित लाभ (रेवन्यु) बा-मोस्किल १ हजार टका मासिक भऽ सकल अछि। जखन कि प्रोडक्सन खर्च एहि सँ काफी बेसी अछि। मैथिली भाषा मे काज करबाक हिम्मत एहि लेल कम लोक कय पबैत अछि कारण लगानी सँ बहुत कम लाभ भेटैत छैक। मुदा, स्वयं मैथिलीभाषी विज्ञापनदाता जँ एहि तरफ कनेक ध्यान दय देथिन तऽ हम आगामी किछुए मास मे सब्सक्राइब १ लाख सँ फाजिल बना लेब आ नेशनल चैनल केर बराबरी करय मे समय नहि लागत।
एखन जाहि तरहक प्रोडक्सन कय रहल छथि ताहि मे आरो स्तरीयता बढेबाक लेल प्रायोजकक आवश्यकता दिश इशारा करैत अभिकाश कहलनि जे मात्र यू-ट्युब केर आमदनी सँ हमरा समान संघर्षशील युवा लेल सब बात मैनेज करब कठिन अछि। तैँ, यदि किछु प्रायोजक उपलब्ध होयत तँ बहुत जल्द मैथिली एनिमेशन केर भविष्य बेहतरी दिश उन्मुख होयत।
ओ कहलनि जे मासिक २ हजार सँ ५ हजार केर खर्च पर लगभग प्रति दिनक एक-सवा लाख हिट्स आ व्युज सँ विज्ञापनदाताक उत्पाद-ब्रान्ड केर प्रचार प्रसार भऽ सकैत अछि। कोनो अभियान अथवा सामाजिक हित केर विषय पर सेहो विमर्श केँ अतिशीघ्र लाखों-लाखों जनमानस धरि पहुँचेबाक ई सर्वसुलभ साधन थिक। एकर लाभ ‘मिथिला ब्वाइज प्रोडक्सन’ पर प्रायोजक केर रूप मे जुड़िकय उठायल जा सकैत अछि।
हरिः हरः!!