मैथिल चेहराक बढैत डेग नेपाली सिनेमा आ म्युजिक वीडियो एल्बम मे – बीरेन्द्र शाहक नवका गीत

विराटनगर, २७ सितम्बर, २०१८. मैथिली जिन्दाबाद!!

बहुत कम उमेर मे राजनीति सँ सिनेमा धरिक कइएक मुकाम पर सफलता हासिल कयनिहार एक अद्भुत मैथिल व्यक्तित्व – एक सक्रिय संचारकर्मी तथा गीतकार बिरेन्द्र कुमार शाहक शब्द रचना तथा गायिका सपना गिरीक सुमधुर स्वर मे बनल नव नेपाली गीत ‘यो दिलबाट’ केर म्युजिक वीडियो छायांकन सम्पन्न होयबाक समाचार भेटल अछि ।

गीत मे अर्जुन सेन्चुरीक संगीत अछि तथा म्युजिक वीडियो मे हाल-सालक चर्चित मोडेलिंग क्षेत्र मे अपन नाम आर काम केँ वजनदार बनबैत जा रहली मोडेल इशा परियार संग स्वयं गीतकार बिरेन्द्र कुमार शाह अभिनय कयलनि अछि । उक्त म्युजिक वीडियो मे मार्टिना मेकअप स्टुडियो इटहरी द्वारा निर्माण कयल गेल अछि । डिथ्री अनलाईनक प्रस्तुति रहबाक बात विज्ञप्ति मे जनाओल गेल अछि । मोडेल इशा परियारक कन्सेप्ट मे ईटहरिक रंग मिडियाकर्मी सुवास संकल्पक छायांकन तथा निर्देशन मे ई वीडियो बनल अछि ।

दसमीक अवसर पर सार्वजनिक कयल जेबाक बात कहैत म्युजिक वीडियो केर छायांकन पूरा भेलाक बाद हाल एडिटिंग केर कार्य धमाधम चलि रहबाक बात कहलनि गीतकार-अभिनेता बिरेन्द्र । सुस्मिता श्रेष्ठ आर संजय थापाक निर्माण व्यवस्थापन तथा उर्बी श्रेष्ठक मेकअप मे ई म्युजिक वीडियो ईटहरी आर आसपास केर इलाका मे सूटिंग कयल जेबाक जनतब सेहो ओ देलनि ।