Search

दुर्गा पूजाक सुअवसर पर लांचिंग होयत ‘मिथिलानी विशेष टीशर्ट’ – मोदीश ब्ल्यू सीईओ झा

दिल्ली, २४ सितम्बर, २०१८. मैथिली जिन्दाबाद!!

हालहि प्रकाशित ‘मिथिला स्लोगन विशेष’ टी-शर्ट केर बाद आब किछुए दिन मे मोदीश ब्ल्यू द्वारा मिथिलानी सभक लेल विशेष ‘स्लोगन’ सहितक ‘टी-शर्ट’ केर लांचिंग कयल जेबाक समाचार भेटल अछि। मैथिल उपभोक्ता मे मोदीश ब्ल्यू केर टी-शर्ट प्रति बढैत रुझान तथा महिला समाज द्वारा हुनका सभक वास्ते सेहो किछु विशेष प्रस्तुति तैयार करबाक खास अनुरोध पर ई पहल कयल जा रहल अछि, सीईओ प्रबोध झा कहलनि। श्री झा मैथिली जिन्दाबाद प्रति आभार प्रकट करैत मैथिली-मिथिला अभियान वास्ते विशेष सुविधा दर पर विभिन्न संस्थागत प्रयास मे समर्पित संघ-संस्थाक डिमान्ड अनुसार काज करबाक लेल वचनबद्धता सेहो प्रकट केलनि।

मिथिला स्लोगन सहित अपन संस्थाक लोगो लगाकय विशेष सहयोगार्थ टी-शर्ट – मोदिश ब्ल्यू द्वारा बनबाउ। एहि मे एकटा न्युनतम दर पर नीक गुणस्तरक गंजी बनेबाक संग संस्था द्वारा सहयोगार्थ शुल्क मे एकटा निश्चित मार्जिन केर लाभ सेहो उपार्जन केला सँ चन्दाक सहयोग केर प्रतिस्थापन संभव होयत। मैथिली-मिथिलाक हरेक संस्था लेल अपन मैथिल डिजाइनर आइटी प्रोफेशनल श्री प्रबोध झा संग हुनक व्हाट्सअप +918862162653 पर जरूर सम्पर्क करू।
 
एतबा नहि, आब हरेक जिला एहि स्लोगन केर टी-शर्ट, खास कय दुर्गा पूजा, दिपावली, आ छठिक शुभ अवसर पर नव वस्त्र – परिधानक रूप मे सेहो बिक्री वितरण, उपहार स्वरूप वितरण, फ्रेन्चाइजी, डिस्ट्रीब्युटरशीप लेल अपने लोकनि इच्छूक स्वरोजगारी बंधु-बांधव जरूर सम्पर्क करी।

बहुत जल्द आबि रहल अछि ‘मिथिलानी’ सभक वास्ते खास डिजाइनदार टी-शर्ट

मोदीश ब्ल्यू केर सीईओ श्री झा जानकारी दैत कहलनि अछि जे दुर्गा पूजाक सुअवसर पर अपन मिथिलाक बेटी-बहिन व महिला-वर्ग लेल सेहो खास तौर पर तैयार कयल गेल टी-शर्ट केर डिजाइनिंग केर कार्य कयल जा रहल अछि। जाड़क महीना मे विशेष ट्रैक-सूट व अन्य फैशनेबल परिधान आदि लेल सेहो आगामी जनवरी-फरबरी तक लांचिंग कयल जायत।
 
विदेश मे मिथिला पेन्टिंग सहितक टी-शर्ट केर माँग देखि यथोचित क्रेता आ बाजार बनेबाक दिशा मे सेहो निरन्तर कार्य होएत आबि रहल कहैत श्री झा कहलनि जे आरो गोटेक नव-नव परिकल्पनाक संग नव-नव परियोजना आरम्भ करैत अपन मातृभूमि मिथिलाक अर्थतंत्र केँ मजबूत करबाक लेल दृढ-संकल्पित छी।

Related Articles