Search

प्रधानमंत्री नरेन्द्र मोदीजीक ६८म जन्मदिवस पर खास

प्रधानमंत्री नरेन्द्र मोदीजीक ६८म वर्षगाँठ पर प्रवीण शुभकामना

आउ भारतक एक सर्व-लोकप्रिय प्रधानमंत्री नरेन्द्र मोदी जी केर जन्मदिन पर हुनकर कुशाग्रता, अनुशासित जीवन आ योग सँ लैत आध्यात्मिकताक कुशल प्रयोगकर्ता आदि जीवनक महान् मूल्य पर चलैत आ भारत जेहेन विशाल गणतांत्रिक लोकतंत्रक मुखियाक रूप मे जनबाक चेष्टा करी।

भारतक पहिल प्रधानमंत्री जिनकर जन्म स्वतंत्रता प्राप्त भारत मे भेल,

प्रधानमंत्री सँ पहिने गुजरात राज्यक लगातार कुल ३ टर्म (पाँच-वर्षीय) लेल जनता द्वारा चयनित मुख्यमंत्री,

राष्ट्रीय स्वयंसेवक संघ केर प्रचारक आ नीति पर चलनिहार एक समर्पित अभियंताक रूप मे कतेको वर्ष धरि अनुभव आ राष्ट्रसेवा केर अभ्यास कयनिहार राष्ट्रसेवक,

भारत मे प्रचलित धर्म-निरपेक्षताक आड़ मे अल्पसंख्यक-बहुसंख्यक बीच ‘डिवाइड एण्ड रूल’ केर सिद्धान्त पर चलयवला विभिन्न तथाकथित धर्म-निरपेक्ष आ लोकतांत्रिक राजनीतिक धाराक बिपरीत ‘प्रखर हिन्दुवाद’ आ ‘हिन्दू राष्ट्र’ केर परिकल्पक,

राष्ट्रीय राजनीति सँ लैत विश्व केर राजनीति मे ‘भारत केर प्रभुत्व’ केँ स्थापित करबाक लेल प्रतिबद्ध आ कठोर संकल्पित महान् व्यक्तित्व,

हिन्दू धर्म, मूल्य, मान्यता, वेद, योग, आध्यात्म संग-संग समस्त धर्म ओ संप्रदाय जेकरा मे सहिष्णुता आ अन्य धर्म प्रति सौहार्द्रताक भाव अछि ताहि सब केँ समेटिकय बढनिहार विशुद्ध ‘वसुधैव कुटुम्बकम्’ केर पालनकर्ता निष्ठावान् भारतीय संतान,

विज्ञान आ धर्म केँ जोड़िकय सुच्चा राष्ट्रवाद केर सिद्धान्त पर भारत केँ विश्व परिवार मे सही दर्जा दियेबाक अटल बिहारी वाजपेयीक सिद्धान्त केर समर्थक आ ओजस्विता सँ भरल नेतृत्व प्रदान करैत भारत केँ ‘विश्वशक्ति’ बनेबाक दिशा मे मुखर,

गरीब आ पिछड़ा भारतीय जनता संग-संग विश्वक अनेकों गरीब मुलुक केर जनता लेल हृदय मे प्रेम भरल आ सभक विकास लेल चिन्तनशील एक युगपुरुष ‘नरेन्द्र दामोदरदास मोदी’,

विगत मे बहुचर्चित, वर्तमान मे बहुचर्चित आ भविष्यहु मे बहुचर्चित रहबाक निस्तुकी लोक,

कदापि सिद्धान्त सँ समझौता नहि, कतहु झुकय पड़त तेहेन बेइमानी-शैतानी आ हैवानियत केँ निज-धर्म, आचार-विचार वा व्यवहार मे कतहु कोनो तरहक स्थान नहि देनिहार,

आर, तुष्टीकरण आ झूठ प्रचारवादक विरुद्ध कठोर, तूँ एक मारमे त तोहर दस केँ मारबौक… लेकिन तेकर माने राष्ट्रक अस्मिता केँ खतरा मे दय देबौक से स्वीकार्य नहि,

भारतीय काँग्रेस केर हितचिन्तक आ परिवारवाद-वंशवाद परम्पराक सख्त आलोचक, निरन्तर एक मजबूत विपक्ष केर परिकल्पनाकार,

इत्यादि – परिचय एक व्यक्ति PM Narendra Modi जी केर हमरा दृष्टिकोण मे अनेकानेक रूप मे सुस्थापित अछि। २०१४ ई. सँ पहिल बेर पूर्ण बहुमतक सरकार केर नेतृत्व करैत विभिन्न कठोर निर्णय संग देश केँ आगाँ बढेबाक दिशा मे गतिशील छथि। हिनकर अनेकों क्रान्तिकारी कार्य मे प्रधानमंत्री जनधन योजना, स्वच्छ भारत मिशन, एलपीजी बीपीएल परिवार लेल प्रधानमंत्री उज्ज्वल योजना, प्रधानमंत्री कृषि सिंचाई योजना, फसल बीमा योजना, मुद्रा बैंक योजना, प्रधानमंत्री कौशल विकास योजना, मेक इन इंडिया, गरीब कल्याण योजना, सुकन्या समृद्धि योजना, पढे भारत बढे भारत, ग्रामीण कौशल योजना, नयी मंजिल योजना, अटल पेंशन योजना, प्रधानमंत्री सुरक्षा योजना, जीवन ज्योति बीमा, जन औषधि स्कीम, डिजिटल इंडिया… कृषि ओ जनता लेल बीमा, स्वरोजगार बढेबाक लेल स्टार्ट अप आ सहज ऋण सुविधा, वर्षों-वर्ष सँ पुरान आ परित्यज्य काला-धन मे परिणत नोट केर बन्दी आ नया नोट संग प्रतिस्थापन, जीएसटी केर सहज टैक्स रिफोर्म्स आ सिस्टम मे पारदर्शिताक संग राष्ट्रीय सकल राजस्व मे वृद्धि लेल गहींरगर काज – एहेन अनेकों बात विगत ४ वर्ष मे कयलनि अछि जेकर प्रभाव आगामी ५० वर्ष धरि भारत केँ प्रगतिक मार्ग पर अग्रसर राखत… हम सचमुच एहेन सफल नेतृत्वकर्ता देशक मुखियाक बड पैघ प्रशंसक, समर्थक आ सच कहू त दीवाना लोक छी।

हिनकर ६८म जन्मदिन पर हृदय सँ शुभकामना! भगवान् अपने केँ खूब दीर्घायू आ वर्तमान धरि जेना ऊर्जावान् छी, तहिना आरो कम सँ १० वर्ष एहि राष्ट्र केँ अहाँक नेतृत्व प्रदान करय। छिटकीबाजी आ आन्तरिक गुटबाजी आदि जेना अहाँक नेतृत्व मे कम भेल अछि, जेना लक्ष्मण जेकाँ समर्पित एक छोट भाइ भारतीय जनता पार्टी केर वर्तमान राष्ट्रीय अध्यक्ष अमित शाह भेटल छथि, पूरा भाजपा परिवार सहित देशक जनता अहाँक कार्यशैली मे दीवाना भेल अछि, ई ‘अच्छे दिन’ जारी रहय।

बेगारी सब लागि गेल अछि पुनः देशक जनता केँ बरगलाबय मे… कहियो झूठौं के ‘राफेल विमान डील’, कहियो चुटपुट त कहियो झूठमुठ गबन आ भ्रष्टाचार केर बात कहिकय पहिनहि जेकाँ अपन नैराश्यताक अवस्था मे धर्मनिरपेक्षता आ लोकतांत्रिक मूल्य-मान्यता पर बड़का-बड़का बात करत, आरक्षण सँ पिछड़ा आ दलित केर नाम पर राजनीति करत, धरि धरातलीय सच मे सिर्फ और सिर्फ भ्रष्टाचार। आइ दशकों-दशकों सँ राजनीति पर अपन पकड़ बनाकय सिर्फ और सिर्फ अपन हितपोषण कयलक आ राजनीति केँ पर्यन्त एक बदनाम विषय मे परिणति दय देलक।

We are proud to have your leadership Honorable PM Narendra Modi Jee!! May God bless you live long and lead India and all world with your best.

नरेन्द्र मोदीजीक जन्मदिवस पर हुनकर जीवनी पर एक नजरिः

जन्म – १७ सितम्बर १९५०

जन्म-स्थल – वडनगर, बोम्बे स्टेट, जोधपुर

पिता – दामोदर दास मूलचंद मोदी

माता – हीराबेन

जेठ भाइ – सोमा, सेवानिवृत्त स्वास्थ अधिकारी, एखन वृद्धाश्रम चलबैत छथि।

भाइ – प्रह्लाद मोदी – अहमदाबाद मे एकटा दुकान चलबैत छथि। पंकज मोदी – सूचना विभाग मे काज करैत छथि।

निवास स्थान – गांधीनगर, गुजरात

विवाह – जसोदा बेन पत्नीक नाम थिकन्हि। संग नहि रहैत छथि।

स्कूलिंग – वडनगर सँ स्कूली शिक्षा

कालेज – गुजरात युनिवर्सिटी

राजनीति – राष्ट्रीय स्वयंसेवक संघ सँ प्रशिक्षण, प्रचारक केर रूप मे सांगठनिक कार्य, भारतीय जनता पार्टी राजनीतिक दल मे कार्य, १९९५ मे विशेष चुनावी भारग्रहण आ अपन दक्षता सँ महामंत्री पद पर चयन, पुनः हिमाचल और हरियाणा आदिक प्रभार, गुजरात मुख्यमंत्रीक रूप मे पार्टी द्वारा नाम आगू बढायब, तीन टर्म पूरा राज्य केर प्रगति लेल कार्य करब, तदोपरान्त २०१४ मे राष्ट्रक प्रधानमंत्रीक पद लेल सिफारिश उपरान्त चुनावी कमान सम्हारैत विशाल जीत हासिल, आइ भारतक प्रधानमंत्री छी।

हरिः हरः!!

Related Articles