करुणा झा, राजविराज। मई ९, २०१५. मैथिली जिन्दाबाद!!
सप्तरी जिलामे साक्षरता अभियान मैथिलीमे अनिवार्य कएलाक बादो किछु संघ-संस्था सभ नेपालिये भाषा मे पठन-पाठन शुरु कएने छल। मैथिली साहित्य परिषद्क संघर्षक बाद जिला शिक्षा कार्यालय सप्तरीक स्पष्ट निर्देशन सहितक प्रेस विज्ञप्ति बुधदिन जारी कैल गेल अछि। परिषद् द्वारा मङ्गल दिन जिला शिक्षा कार्यालयकें ध्यानाकर्षण पत्र सौंपल गेल छल जाहि मे राज्यकेर औपचारिक धारणाक माँग सहित सम्बन्धित सरोकारवाला लेल स्पष्ट निर्देशनक माँग सेहो कएल गेल छल। एहि निमित्त जिला शिक्षा अधिकारी रुद्र राई निर्देशन सहितकेर विज्ञप्ति जारी कए अपन प्रतिबद्धता कार्यान्वयनक दृढता व्यक्त कएलक अछि।
परिषद् एहि लेल जिला शिक्षा कार्यालय परिवार प्रति आभार व्यक्त करैत द्रुत गति मे एहि काजकेँ आगाँ बढेबाक लेल आग्रह सेहो कएने अछि। मैथिली भाषी सभक लेल ई हर्षक बात थिक जे मातृभाषाक माध्यम सँ साक्षरता अभियानक सकारात्मक असर पड़त आ सब अनपढ शिक्षित होएबाक अवसर प्राप्त करत। परिषद् अपन धारणा व्यक्त करैत स्पष्ट केलक जे यद्यपि ई पूर्ण उपलब्धि नहि छी, आधारभूत शिक्षा सेहो मातृभाषामे सञ्चालन करेबाक लेल ब्यापक संघर्षक आवश्यकता छैक। सम्पूर्ण मैथिलीभाषी सभ अपन-अपन ठामसँ एकताबद्ध भ’कए आगु बढी ताहि लेल आह्वान कैल जाइछ। नेपाल मे मातृभाषाक माध्यम सँ शिक्षा पेबाक सबहक मौलिक अधिकार रहल, ई भावना अन्तरिम संविधान द्वारा सेहो राखल गेल अछि।