रेडक्रॉस द्वारा नेपाल भेजल गेल राहत सामग्री

सुभाषचंद्र झा, सहरसा। मई ९, २०१५. मैथिली जिन्दाबाद!!

rahat sentरेडक्रॉस दिवस केर अवसर पर सोसयटी भवन मे संस्थापक केर चित्र पर माल्यार्पण कयल गेल। एहि अवसर पर नेपाल मे आयल विनाशकारी भूकंप मे जन-धनकेर भेल क्षति पर संवेदना प्रकट करैत मृतक केँ श्रद्धांजली देल गेल। संगहि पीड़ित सबहक वास्ते एक ट्रक राहत सामग्री व दबाइ आदि पठाओल गेल। अध्यक्ष जिलाधिकारी शशिभूषण कुमार हरी झंडी देखा कय रवाना कयलनि। सोसायटी केर सचिव डॉःअबूल कलाम कहलनि जे स्थापना काल सँ आपदा पीड़ित केँ मानवताक नाते सेवा कय रहल अछि ई संस्था। नेपालक त्रासदी समूचा दूनियाँ केँ झकझोरि देलक, तकरा देखैत रेडक्रॉस हरसंभव सहायता करत, ओ कहलनि जे एहि ट्रक मे टॉर्च, कम्बल, टेन्ट, बिस्कुट, चाऊचाऊ, मोमबती, दबाइ आदि भेजल जा रहल अछि, एहि अवसर पर सदस्य गण सब सेहो मौजूद छलाह।