जून २६, २०१८. मैथिली जिन्दाबाद!!
मैथिलीक प्रसिद्ध कथाकार हरिमोहन झा केर कृत्ति “कवि जी” केर किछु अंश सँ प्रेरित आ विकास झा द्वारा लिखल संवाद, पटकथा, छायांकन आ निर्देशन मे बनल मैथिली लघु फिल्म “कवि कल्पना” २२ जून, २०१८ केँ ‘मधुर मैथिली’ यू-ट्युब पेज सँ रिलीज कयल गेल अछि। मैथिली लिटरेचर फेस्टिवल, दिल्ली मे प्रदर्शित आ प्रशंसित एहि विलक्षण मैथिली लघु फिल्म केँ आम जनमानस मे प्रदर्शन लेल प्रतिक्षा भऽ रहल छल। मात्र ३० मिनट केर एहि फिल्म मे सम्पूर्ण संवाद काव्यात्मक शैली मे प्रस्तुत भेल अछि, जेकरा अभिनेता एक आत्ममुग्ध कविक चरित्र मे अभिनेत्री संग रोचक वार्ताक माध्यम सँ नारी रहस्य पता लगेबाक लेल अभिनय मार्फत प्रस्तुत कयलनि अछि। कवि भाष्कर ओ कवि-पत्नी शोभाक बीच एहि छोट प्रस्तुति मे पतिक आत्ममुग्धता सँ भरल कविता संसार सँ तंग रहैत कवि भाष्कर केर नारी रहस्य पर कविता लिखबा मे सहयोग करैत अपन पूर्व-प्रेमीक वर्णन करबाक चुनौती केँ स्वीकार करैत अत्यन्त रोचक आ भावपूर्ण अन्दाज मे ओहि प्रेमक वर्णन करैत पुरुषक मोनपर कोना आगि छींटैत छैक तेकरा सुन्दर अभिनय मे दुनू गोटा प्रस्तुत केने छथि।
अभिनेता भाष्कर झा एवं अभिनेत्री रौशनी झा द्वारा सुन्दर अभिनय केँ दर्शक भरपूर प्रशंसा कयलनि अछि। तहिना एहि फिल्म मे ध्वनि विन्यास शंकर सिंह, पार्श्व संगीत प्रवेश मल्लिक, सम्पादन मो. सुहेल आ अंग्रेजी अनुवाद प्रभात झा, निर्देशन सहायक रूपक शरर एवं मुकुल कर्ण, रूप सज्जा अभय सिंह तथा संवाद, पटकथा, छायांकन एवं निर्देशन विकास झा केर आर निर्माता मनोज महेश्वर एवं विकास झा छथि। लगभग ५ दशकक इतिहास मे एहि तरहक चटखदार मैथिली फिल्म एकटा अलगे आकर्षण उत्पन्न करबाक प्रतिक्रिया मैथिली लिटरेचर फेस्टिवल मे विज्ञ विश्लेषक लोकनि कएने छलाह। तहिना मात्र ४ दिन मे हजारों दर्शक द्वारा ई फिल्म यू-ट्युब पर सेहो देखल जा चुकल अछि, जखन कि ‘मधुर मैथिली’ पेज केर सब्सक्राइबर सेहो जीरो सँ आरम्भ होएत मात्र ४०० केर आसपास एखन धरि पहुँचि सकल अछि। पैघ संख्याक सब्सक्राइबर केर पेज सँ एहि फिल्म केँ देखल गेनिहारक संख्या निश्चिते लाख नांघि चुकल रहितय, परञ्च किछु विशेष लक्ष्य आ उद्देश्यक संग एकर प्रदर्शन एक नव पेजक मार्फत कयल जेबाक रणनीति बुझाइत अछि। एतेक त निश्चिते छैक जे गोटेक महीना मे ई फिल्म लाखों दर्शक द्वारा देखल जायत आर मैथिली फिल्म केर मानदंड मे बढोत्तरीक अन्दाज सेहो दर्शक लोकनि केँ लगतनि। यू-ट्युब पेज पर एखन धरि सैकड़ों सकारात्मक प्रतिक्रिया आ सैकड़ों शेयर्स कयल जेबाक स्थिति सेहो स्पष्ट अछि। हर तरहें एहि फिल्म केर प्रशंसा होयब एकटा नीक भविष्यक संकेत करैत अछि।
यू-ट्युब पर एतय उपलब्ध अछिः

2 Comments
बहुत नीक खबरि अछि मैथिली आ मिथिला लेल
माजा आइगेल