Search

प्रेमक बसात – मैथिली फिल्म पर एक समीक्षा

फिल्म समीक्षा

– विकास वत्सनाभ

जे. एम. के. इंटरटेन्मेट बैनरक अधीन बनल ‘प्रेमक बसात’ निर्देशक आ परिचित रंगकर्मी रूपक शररक पहिल मैथिली सिनेमा छनि। एहि सिनेमा केँ चित्रपट धरि अनबाक बीड़ापान उठौलनि अछि अपन माटि पानिक अनुराग सँ उमटाम भरल निर्माता वेदांत झा। एकर कार्यकारी निर्माता छथि कुणाल ठाकुर। सिनेमाक नायक छथि पीयूष कर्ण आ नायिका रैना बनर्जी । एकर पटकथा लेखन सेहो रूपक शरर कएलनि अछि। ‘प्रेमक बसात’ जेना की नाम सँ स्पष्ट अछि, प्रेमक कथा कहैत अछि जाहि मे संघर्ष, उत्कर्ष आ प्रेमक रदिमनता एकहि सङ्ग चित्रित भेल अछि।

साहित्यक विराट पृष्ठभूमि आ मैथिली भाषिक एकटा पैघ समूह रहितहुँ मैथिली मे फ़िल्म बनाएब एकटा हाई-रिस्क व्यवसाय मानल जाइत अछि। आरम्भ सँ एखन धरि रहल निर्माणक अनियमिता आ बदलैत सामाजिक परिपेक्ष केँ उचित समावेश नहि होएबाक कारण सँ मैथिली सिनेमाक बजार नहि विकसित भए सकलैक अछि। पहिलुक मैथिली सिनेमा कन्यादान सँ एखन धरि बनाओल गेल सिनेमा सभ मे कमर्सियल हिट मात्र ‘सस्ता जिनगी महग सेनुर’ भए सकल अछि। एकर बहुत रास कारण सभ छैक जकरा अकानब मैथिली सिनेमाक भविष्यक लेल आवश्यक अछि।

मैथिलीक एकाधिक सिनेमाक मे डायलॉग मे मैथिलीक निजता नहि भेटैत अछि आ ताहि दुआरे दर्शक ओहि सँ अपना केँ बहुत बेसी कनेक्ट नहि कए पाबि सकलाह अछि। मुदा एहि सिनेमाक नायिका बंगाली होइतहुँ मैथिलीक ओहि टोन केँ (जाहि परिवेशक कथा अछि) मैनेज करबा मे सक्षम भेलीह अछि आ हिनक इम्प्रोवाइजेशन सरिपहुँ प्रभावित करैत अछि ।

एहि सिनेमाक संगीत एकटा महत्वपूर्ण पक्ष अछि। किछु नवीन प्रयोग सभ एहिठाम सहजहि अकानल जाए सकैत अछि। तोची रैनाक स्वर मे “दरस दिखा दिय मौला” आ तहिना “आँचर मे चुनी चुनी सपना सजेलहुँ” ई दुनू गीत बेस कर्णप्रिय आ विविधताक सङ्ग गाओल गेल अछि। संगहि आदित्य नारायण झा पहिल बेर एहि सिनेमाक माध्यम सँ मैथिली गायन मे प्रवेश कए रहलाह अछि। ई आह्लादित करैत अछि।

सामान्य शूटिंग स्पॉट सभ रहितहुँ बहुत चतुरताक सङ्ग निर्देशक एकटा मनोहारी कैनवास बनेबा मे सफल भेल छथि। स्पेशल इफेक्टक न्यूनता अछि मुदा एम्बिएंट लाइट आ नैचुरल लैंडएस्केपक बेहतरीन प्रयोग भेल अछि जे एहि गैप केँ नीक सँ पाटि दैत अछि। खपड़ैलक मरबा मे संवाद, झूला पर स्वेत-नील परिधान मे प्रेमालाप, मूनलाइट रोमांश आ कोनटा सँ झात करैत नायिकाक आँखिक भंगिमाक रूप मे किछु एहन दृश्य सभ आएल अछि जे सहजहि आकर्षित करैत अछि।

ट्रेलर अपन भंगिमा, संगीत, कथाक अंतर्द्वंद आ कलाकर सभक स्तरीय अभिनय सँ संपूर्णता मे प्रभावित करैत अछि आ प्रेमक बसात केँ एकटा संभावित कमर्सियल हिट होएबाक संकेत दैत अछि। विशेष सिनेमा रिलीज भएलाक बाद। एखन एतबे। सम्पूर्ण टीम केँ शुभकामना !

Related Articles