अमरनाथ मिश्र, नई दिल्ली । जून २, २०१८. मैथिली जिन्दाबाद!!
मिथिला गृह उद्योग द्वारा वर्ष २०१८ मे एखन धरि कुल ७ नव उत्पादक बिक्री वितरण आरम्भ कयल जा चुकल अछि । भारतक राष्ट्रीय राजधानी क्षेत्र मे मैथिलानी सब केँ सम्बल देबाक लेल, घर बैसल गृहिणी सब केँ सेहो विश्व बाजार मे पहुँच बढेबाक लेल, स्वरोजगारक शिल्प सँ अर्थवादी युग मे श्रृंगार करबाक लेल – पुरुष संग महिला केँ डेग बढाकय कठिन प्रतिस्पर्धी आ महंगाई युग मे जीविकोपार्जन कमेबाक पुनीत उद्देश्य सँ आरम्भ ‘मिथिला गृह उद्योग’ विशेष रूप सँ मिथिलाक खाद्य परिकार केर उत्पादन, पैकिंग तथा बाजार-वितरण व्यवस्था करैत अछि। वर्ष २०१८ केर आरम्भ सँ करीब-करीब ७ टा नव उत्पाद केँ बाजार मे प्रवेश देल गेल छैक। विभिन्न प्रकारक अँचार, मिथिलाक प्रचलित चाउर, सुखौंत सब्जी यथा मुरौरी, कुम्हरौरी, तिलौड़ी, तिसियौरी आदि अनेकों तरहक उत्पाद केर बनाइ सँ लैत पैकिंग आ मार्केटिंग सब किछु एहि मिथिला गृह उद्योग द्वारा कयल जाएछ। नव उत्पादक किछु ब्रोशर आ सम्पर्क करबाक नम्बर सहितक फोट नीचाँ राखल जा रहल अछिः