नेपाल भूकंप पीड़ित लेल जगह-जगह राहत-संकलन

सहरसा मे नेपाल भूकंप पीड़ित केर सहयोग निमित्त 'भिक्षाटन कार्यक्रम' भाजपा द्वारा - फोटो - जागरण

सुभाषचंद्र झा, सहरसा। मई ७, २०१५. मैथिली जिन्दाबाद!

सहरसा मे नेपाल भूकंप पीड़ित केर सहयोग निमित्त 'भिक्षाटन कार्यक्रम' भाजपा द्वारा - फोटो - जागरण
सहरसा मे नेपाल भूकंप पीड़ित केर सहयोग निमित्त ‘भिक्षाटन कार्यक्रम’ भाजपा द्वारा – फोटो – जागरण

नेपाल मे विनाशकारी भूकंप सँ हजारों-लाखों लोक घर सँ बेघर भऽ गेल अछि। हजारों परिवारक कतेको दीप सदा-सदाक लेल मिझा गेल अछि। चारूकात कन्नारोहट आ कारुण्य दृश्य पसरल अछि। हजारों लोकक पता एखन धरि नहि चलल अछि। कतेक गाम पहाड़क मलवाक तर मे दैबकय कहियो गाम रहबाक निशानियो नहि बाँचय देने अछि। नेपालक राधानी आ तेकर १०० किमी केर वृत्त मे एहि तरहक विनाश देखबाक लेल भेटैत अछि। नेपाल सरकार आ विश्वक कतेको देश मिलिकेँ एहि त्रासदीपूर्ण अवस्था सँ जनमानसकेँ आगाँ बढेबाक प्रयास मे लागल अछि। चारुकात सँ लोक अपन जी-जान लगाकय मानवीय सहायताक राहत पीड़ित तक पहुँचाबय मे लागल अछि।

सबसँ पहिने आ सर्वाधिक संवेदना सँ भरल राहत आ उद्धारक कार्य भारत द्वारा द्रुत गति सँ कैल गेल जेकरा प्रति नेपाल मे अत्यन्त कृतज्ञता प्रकट कैल जा रहल अछि। भारत सरकारक अलावे पड़ोसी राज्य बिहार, बंगाल, उत्तरप्रदेश, सिक्कीम आदि द्वारा सेहो अलग-अलग राहत सामग्रीक कइयों खेप एतय मानवीय सहायताक रूप मे पठायल गेल अछि। सरकारी स्तर सँ अलग जनस्तर पर सेहो अनेको किसिम सँ राहत सामग्री संकलन करैत एहि अत्यन्त पीड़ादायी अवस्थामे नेपाल भूकंप पीड़ित लेल राहत पठायल जेबाक सैकड़ो उदाहरण सीमा कस्टम पर लाइन सँ ठाढ गाड़ी देखिकय अन्दाज लगैत अछि।

सहरसा मे सेहो नेपाल भूकम्प पीड़ित लेल अनेको मर्माहत लोक, अनेकानेक संगठन सब राहत कार्य मे लागि गेल अछि। खास कय आर एस एस, विद्यार्थी परिषद, विश्व हिन्दू परिषद केर कार्यकर्ता राहत जुटाबय मे संलग्न देखल जाइत छथि। अहि क्रम मे बुध दिन भाजपा द्वारा सहरसा नगर मे भिक्षाटन कार्यक्रम करैत राहत सामग्री संकलन कैल गेल। जाहि मे पुर्व विधायक किशोर मुन्ना, संजीव कुमार झा, मिहिर झा, शशिशेखर सम्राट, लुकमान अली, प्रो. गौतम कुमार, विजय वंसंत, व्यवसाय मंचक राजीव साह सब खुलिकय सहयोग कयलनि। कार्यकर्ता सब कहलनि जे भिक्षाटन भेटल पाइ प्रधानमंत्री राहत कोष मे भेजल जा रहल अछि। नेपालक पीड़ित जनता केँ हरसंभव सहायता जारी रहत। पुर्व विधायक संजीव झा कहलनि जे नेपाल मे आयल भूकम्प मे बहुत रास नुकसान भेल अछि, एहि विपति केर बेला मे हरदम हरपल नेपाली जनता संग ठाढ छी, कियैक तऽ दुनू देशक संस्कृति एकसमान अछि, हम सब एक्के लोक दुनू दिशि बसैत छी।