नेपालक मिथिला मे खुजल एक आरो हवाईअड्डा, उड़ान लेल तैयार, परीक्षण सफल

समाचारः साभार कान्तिपुर, संचारकर्मी अवधेश झा केर रिपोर्ट

(मैथिली अनुवादः प्रवीण नारायण चौधरी)

राजविराज विमानस्थल उडान भरय लेल तैयार

पक्की धावनमार्ग, एप्रोन आर टैक्सी–वे पीचिंग भेलाक बाद बैसाख २० मे परीक्षण उड़ानक तैयारी

अवधेशकुमार झा

राजविराज — लंबा अवधि उपरान्त राजविराज विमानस्थलक निर्माण कार्य पूरा भऽ गेल अछि । पक्की धावनमार्ग, टावर मरम्मत, एप्रोन आर टैक्सी–वे पीचिंग भेलाक बाद हवाईजहाज उड़य आर अवतरण होयबाक हिसाबे तैयार भऽ गेल अछि ।

सप्तरीक राजविराज विमानस्थलमे पीचिंग कयल गेल धावनमार्ग । तस्बिर : अवधेशकुमार झा

सदरमुकाम राजविराज सँ तीन किलोमिटर दक्षिण विष्णुपुर गाउँपालिकामे विमानस्थल निर्माण भेला उपरान्त हवाईजहाज चढबाक सप्तरीवासीक वर्षोक सपना पूरा भेल अछि । एक हजार पाँच सय मिटर लम्बा आर ३० मीटर चौड़ा धावनमार्ग पक्की भऽ गेलैक अछि । ९० मीटर लम्बा आर ६० मीटर चौड़ा एप्रोन तथा १ सय १० मीटर लम्बा तथा २० मीटर चौड़ा टैक्सी–वे पीचिंग कयलाक बाद स्थानीय लोक सब काफी उत्साहित भेल अछि । नेपाल नागरिक उड्डयन प्राधिकरण राजविराज विमानस्थल परियोजना प्रमुख रामएकवाल महतोक अनुसार विमानस्थल परीक्षण उड़ानक लेल तैयारी अबस्थामे अछि ।

ओ आगामी वैशाख २० गते बुद्ध एयर द्वारा परीक्षण उड़ान करबाक हिसाब सँ तैयारी कयल जेबाक जानकारी देलनि । ‘एक–दुइ दिन एम्हर–ओम्हर भऽ सकैत अछि, लेकिन बैसाख २० केँ परीक्षण उड़ान भरबाक हिसाबे तैयारी कयलहुँ अछि,’  महतो कहलनि, ‘परीक्षण उड़ानक लेल बुद्ध एयरक व्यवस्थापन संग बात आगाँ बढि रहल अछि ।’

नियमित उड़ानक लेल मुदा किछु प्राविधिक विषय मिलाबय पड़त हुनकर कहब छलनि । पक्की धावनमार्ग, टैक्सी–वे आर एप्रोन पीचिंग भेलाक बाद एखन टावर केर मरम्मत कार्य तथा धावनमार्गक मार्किङ करबाक कार्य अन्तिम चरणमे रहबाक बात महतो द्वारा जानकारी भेटल । २०१६ मे तत्कालीन मन्त्री गणेशमान सिंहद्वारा उद्घाटन होयबाक किछुए दिन भीतर ई विमानस्थलमा सेवा बन्द भऽ गेल छलय । कच्ची धावनमार्ग तथा अन्य प्राविधिक समस्याक कारण पुन: सञ्चालनमे नहि आबि सकल छल ।

कच्ची धावनमार्ग आर अन्य भौतिक पूर्वाधार निर्माण नहि भेलाक कारण विमानस्थल मे मालजाल चरेबाक लेल गौचरनमे परिणत भऽ गेल छल । बेर-बेर विमानस्थल निर्माणक मुद्दा उठलाक बादहु निर्माण कार्य गति नहि लय सकल छल । सप्तरीवासीक दबाव पर सरकार द्वारा निर्माण कार्य केँ प्राथमिकतामे रखैत बजट छुटेला सँ २०७३ मे टेन्डर भेल रहय । काजक लेल रमण, कान्छाराम, देव एण्ड सायर जेभी नेपाल नागरिक उड्डयन प्राधिकरण संगे समझौता कएने छल ।

समझौता अनुसार ०७४ कार्तिक मसान्त भीतरे विमानस्थलक काज सम्पन होयब छल । लेकिन निर्माण कम्पनी समय सीमा मे कार्य पूरा नहि कय सकबाक चलते चैत मसान्त धरि समय उपलब्ध करायल गेल । धावनमार्गक पीचिंग करयवला ‘हटमिक्स प्लान्ट’ बिगैड़ जेबाक कारण चैतक दोसर सप्ताह धरि काज रोकल गेल छल । मुदा तेकर बाद द्रुतगति मे कार्य पूरा भेल अछि । ३० करोड ३० लाख ६४ हजार ५ सय २८ टका मे पक्की धावनमार्ग, टैक्सी-वे, एप्रोन आर टर्निङ प्वाइन्ट निर्माण भेल अछि । लेकिन विमानस्थलक लेल आरो आवश्यक जमीन खरिद नहि कयल जा सकल अछि । चौड़ाई बढाबय केर अबस्था अछि । धावनमार्गक दुनू दिस खाली जगह राखय पड़बाक चलते करीब २२ बिघा जमीन खरीद करय पड़बाक अबस्था रहबाक बात परियोजना प्रमुख महतो द्वारा जानकारी देल गेल ।

पर्यटन मन्त्रालय द्वारा उक्त जमीन खरीदक लेल ५२ करोड़ विनियोजन कयल जा चुकल छैक । अर्थमन्त्रालय द्वारा निकासी नहि देबाक कारण जमीनक खरीदक प्रक्रिया आगाँ नहि बढि सकल अछि । किछु समय भीतरे रकम निकासी भेलापर जमीन खरीद प्रक्रिया आगू बढत महतो कहलनि । हुनका हिसाबे हालक अबस्थामे परीक्षण आर अन्य नियमित उड़ान कयल जा सकलाक बादो दीर्घकालक लेल धावनमार्गक दुनू दिस खाली जमीन राखय पड़बाक जरूरी होयबाक कारणे जमीन खरीद कयल जा रहल अछि । ‘राजविराज विमानस्थलक निर्माण कार्य पूरा कय परीक्षण उड़ानक लेल तैयार होयब सप्तरीवासीक लेल खुशीक समाचार थिक,’ जिल्ला समन्वय समिति प्रमुख प्रभाकर यादव कहलनि, ‘सप्तरीवासी जे वर्षौं सँ सपना देखि रहल छल से आब पूरा भेल ।’ सप्तरी उद्योग वाणिज्य संघक अध्यक्ष अरुण प्रधान विमानस्थलक निर्माण संगे एतय सँ नियमित उड़ान शुरू भेला सँ जिलाक विकासमे महत्त्वपूर्ण योगदान बढबाक विश्वास व्यक्त केलनि ।