किसलय कृष्ण, सहरसा। मई ७, २०१५. मैथिली जिन्दाबाद!
मूलत: दरभंगा जिलाक रहनिहारि कावेरी केर मामागाम सहरसा छन्हि। दिल्ली मे प्रारंभिक आ उच्च शिक्षा प्राप्त केला उपरान्त कावेरी मोडेलिंग केँ अपन कैरियर चुनलनि। पुन: दक्षिण भारतीय सिनेमा (तेलगु) मे ब्रेक लेलाक बाद अपन अभिनय आ सुन्दरताइ सँ जल्दिये टप स्टार एक्ट्रेस केर रूप मे प्रसिद्धि प्राप्त केली। भूल-भुलैया, हाइजैक, जेल, सिंघम, बम-बम भोले आदि हिन्दी फिल्म मे सशक्त भूमिकाक संग तमिल, तेलगु, मलयालम मे हिनक तीन दर्जन सँ बेसी फिल्म बतौर नायिका छन्हि। तेलगु आ मलयालम फिल्म मे लोकप्रियता नगरम, ना गर्ल फ्रेन्ड बगा रिच, सलीम, कन्दाहार, इत्यादि छन्हि।छोट वस्त्र आ उत्तेजक दृश्य फिल्मेबाक कारण काफी चर्चा मे रहनिहाइर कावेरी एक प्रश्नक उत्तर मे कहैत छथि जे मैथिलगण कोन कारण सँ अपन धियाकेँ घोघे मे राखय चाहैत छथि… ई सोच उनैसम शताब्दीक भेल। देह देखेबा लेल भेटल छैक तऽ कियैक नहि देखाउ। हम मिथिला के नारी छी – फूलक संग चिंगारी छी। ई कहैत कावेरी ठहाका मारिकय हँसैत छथि। मैथिली फिल्म मे काज करबाक केहन विचार पूछला पर कहैत छथि जे नीक पटकथा भेटत तऽ अवश्य काज करब।
एयर ईन्डियाक एयर होस्टेस सँ मोडेलिंग आ फेर फिल्म मे अभिनय कावेरीक जीवनयात्रा मे सुमार अछि। पिता सरकारी नौकरी मे रहबाक कारणे एक ठाम सँ दोसर ठामक संस्कृति संग परिचित होयब हिनक खासियत छन्हि। साल २००५ मे मिस महाराष्ट्र आ ओहि वर्ष मिस ईन्डियाक प्रतियोगिता मे सेहो हिनका मिस पर्सनालिटीक खिताब भेटल छलन्हि। हिनका द्वारा कतेको रास विडियो एल्बम मे सेहो भूमिका कैल गेल अछि।

2 Comments
I like it
Very good mathili film me sehu utaru hinka jarur safalta milat