किसलय कृष्ण, सहरसा। मई ७, २०१५. मैथिली जिन्दाबाद!


छोट वस्त्र आ उत्तेजक दृश्य फिल्मेबाक कारण काफी चर्चा मे रहनिहाइर कावेरी एक प्रश्नक उत्तर मे कहैत छथि जे मैथिलगण कोन कारण सँ अपन धियाकेँ घोघे मे राखय चाहैत छथि… ई सोच उनैसम शताब्दीक भेल। देह देखेबा लेल भेटल छैक तऽ कियैक नहि देखाउ। हम मिथिला के नारी छी – फूलक संग चिंगारी छी। ई कहैत कावेरी ठहाका मारिकय हँसैत छथि। मैथिली फिल्म मे काज करबाक केहन विचार पूछला पर कहैत छथि जे नीक पटकथा भेटत तऽ अवश्य काज करब।
एयर ईन्डियाक एयर होस्टेस सँ मोडेलिंग आ फेर फिल्म मे अभिनय कावेरीक जीवनयात्रा मे सुमार अछि। पिता सरकारी नौकरी मे रहबाक कारणे एक ठाम सँ दोसर ठामक संस्कृति संग परिचित होयब हिनक खासियत छन्हि। साल २००५ मे मिस महाराष्ट्र आ ओहि वर्ष मिस ईन्डियाक प्रतियोगिता मे सेहो हिनका मिस पर्सनालिटीक खिताब भेटल छलन्हि। हिनका द्वारा कतेको रास विडियो एल्बम मे सेहो भूमिका कैल गेल अछि।