….आ चढ़ि रहल अछि वॉलीवुड पर मिथिलाक रंगः चर्चा सागर झा लिखित सर्जिकल सट्राइक केर

– किसलय कृष्ण, समाचार सम्पादक, मैथिली जिन्दाबाद । मई १०, २०१८ ।
 
फिल्मी परदाक गणित संघर्षमय रहल अछि आ ताहूमे वॉलीवुडमे दस्तक आ पहिचान बनायब भारतक कोनो प्रतियोगितासँ बेसी कठिन छैक । एहि क्षेत्रमे मैथिलक उपस्थिति एखनहुँ सन्तोषप्रद नहि रहल अछि । मिथिलाक पुत्र त्रिदीप कुमार मैथिली फिल्म ममता गाबए गीत, हिन्दी फिल्म विद्यार्थी मे नायक बनि वॉलीवुडमे पहिल मैथिल हीरो हेबाक उपस्थिति दर्ज केने छलाह ।
तकर बाद एक्के बेर पूर्णियाक सुशांत सिंह राजपूत अप्पन तीन गोट सिनेमा काय पो चे, शुद्ध देशी रोमांस आ एमएस धोनीक नायक बनि वॉलीवुडक लोकप्रिय स्टार बनि चुकल छथि….ई त’ भेल हीरो’क गप्प…जे एखन करबाक अछि । मुदा प्रख्यात पार्श्वगायक उदित नारायण, ऐश्वर्य निगम प्रसिद्ध निर्देशक प्रकाश झा, मनीष झा, संजय झा मस्तान , अविनाश दास प्रसिद्ध अभिनेता आलोकनाथ, स्व नरेन्द्र झा, संजय मिश्र, पंकज झा,गगन गुप्ता, रामबहादुर रेणु , क्रान्तिप्रकाश , अभिनेत्री काबेरी झा, उल्का गुप्ता, श्रृति झा संग लेखक अभिजीत सिंह, राजशेखर आदिक नाम उल्लेखनीय अछि जे वॉलीवुडमे मिथिलाक दमदार उपस्थिति द रहल छथि । हिनका सभ पर अलग अलग स्टोरीक संग मैथिली जिन्दाबाद पर आयब ।
मुदा एखन…..गप्प एकटा फक्कड़ मुदा महत्वपूर्ण मैथिल युवाक क रहल छी । अस्त व्यस्त केश आ उजड़ल दाढ़ीमे बौआइत एहि युवाकें सर्वप्रथम हम आमिर खान अभिनीत फिल्म तलाशमे देखने रहिअनि ……हम मधुबनी जिलाक फुलपरास निवासी युवा फिल्म लेखक सागर झा केर गप्प क’ रहल छी । जिनकर लिखल दू गोट हिन्दी फिल्म पूर्वहिमे रिलीज भ चुकल अछि । माय फादर इकबाल आ मुरारी: द मैड जेन्टिलमेन । फिल्मक खासियत ई जे दुनूक हीरो मैथिल । पहिलक नरेन्द्र झा त’ मिथिलाक संस्कृति पर आधारित दोसर फिल्मक नायक सहरसा वासी संजय सिंह । जे पूर्वमे रॉकस्टार , गैग ऑफ वासेपुरसँ अपन फिल्मी कैरियर आरम्भ कयने छलाह । सागर झा लिखित “लौ” सेहो प्रदर्शन लेल तैयार अछि ।
मुदा एखन चर्चा सागर झा लिखित आ सुजाद इकबाल खान निर्देशित फिल्म सर्जिकल स्ट्राइक केर । जी… भारत-पाकिस्तान सीमा आधारित उक्त फिल्म मैथिलमय अछि । केन्द्रीय भूमिकामे सहरसाक संजय सिंह , मुजफ्फरपुरक मनोज पाण्डेय आ कृष्णा मिश्रा, मधुबनीक आशुतोष सागर केर दमदार अभिनयसँ सजल फिल्म सर्जिकल स्ट्राइक बनिक’ शीघ्र प्रदर्शन हेतु तैयार अछि । निश्चित ई सब सागर झा क प्रयास सँ सम्भव भ रहल अछि आ शनै: शनै: वॉलीवुड पर मैथिल रंग चढ़ि रहल अछि….एखन एतबे…..!