मैथिली गीति एल्बम निर्माण मे विराटनगर आगू, रेकर्डिंग-एडीटिंग-मिक्सिंग-सूटिंग सब व्यवस्था सुलभ

मैथिली मनोरंजन आ रोजगार

विराटनगर क्रमशः मैथिली मनोरंजनक क्षेत्र लेल छोटी बम्बई बनबाक बात सिद्ध कय रहल अछि । मैथिली गीत-संगीत केर एल्बम निर्माण सँ लैत फिल्म केर सूटिंग सँ एडिटिंग-मिक्सिंग धरि सब सुविधा एहि नगर मे उपलब्ध अछि । संगम सिरीज केर स्थापना विराटनगर मे सेहो भेला सँ आब मैथिली गीति-एल्बम सँ लैत हर तरहक रेकर्डिंग सहज हेबाक बात गायक विरेन्द्र झा बतेलनि ।

हालहि मैथिली चलचित्र संघ केर स्थापना सँ एहि दिशा मे आरो महत्वपूर्ण काज कयल जेबाक वातावरण बनबाक बात मैथिली सिनेमाक भविष्य-निर्मात्री आभा अनुपमा कहैत छथि । कतेको रास एल्बम मे नायक केर भूमिका अदा कयनिहार जयराम यादव यदुवंशी कहैत छथि जे मैथिली गीत-संगीत-फिल्म केर बाजार जाहि तरहें बढि रहल अछि ताहि सँ एहि क्षेत्र मे रोजगारक बहुत रास अवसर खुजैत देखैत छी । ओ कहला जे हम मेडिकल रिप्रेजेन्टेटिव केर काज करितो जेना एकटा नीक टीम वर्क सँ एहि विराटनगर मे एल्बम सम्बन्धित सब कार्य पूरा कय रहल छी।

मलेसिया मे विदेशी रोजगार कयनिहार मुदा अपन मातृभाषाक भविष्य-निर्माता सरोज मंडल द्वारा संचालित एस टाइम्स म्युजिक केर यूट्युव चैनल लेल जखन काज शुरू कयलहुँ त शुरुआत मे बहुत बेसी आशा या अपेक्षा नहि छलय, लेकिन कनिकबे दिन मे एक-एक वीडियो केर हजारों-लाखों व्यु होएत देखि बहुत उत्साहित छी।

एस टाइम्स म्युजिक द्वारा निरन्तर मैथिली गीति-एल्बम केर निर्माण आ यूट्युब चैनल सँ ओकर प्रदर्शन कयल जा रहल छैक । मैथिली जिन्दाबाद पर पूर्व प्रकाशित समाचार सँ सरोज मंडल व हुनक समर्पण केर चर्चा कयल गेल छल । आइ पुनः एहि समूह द्वारा नवे-नव निर्माण भेल दुइ गीति एल्बम केर चर्चा करी । “गाम घर मे नै रहब, नै कोनो शहर मे – चलू सुन्दर घर बनायब, प्रेम नगर मे” – एहि नवका गीत केर वीडियो एल्बम मे जयराम यादव यदुवंशी ओ कसक घिमिरे केर अभिनय काफी प्रभावित करैत अछि ।

यूट्युब चैनल केर एहि लिंक पर उपलब्ध एहि गीतक व्युज कनिके दिन मे २० हजार नांघि गेल अछिः https://www.youtube.com/watch?v=HUkDgnuhwPI ।

तहिना “अहाँ प्रेम हमर जनम जनम के” दोसर गीतक विजुअल केर दर्शक ४५ हजार नांघि चुकल अछिः https://www.youtube.com/watch?v=R5M6AQfvyvI ।

यदि मैथिली गीतक वीडियो एल्बम सभक प्रचार प्रसार निरन्तर हुअय आर अपन मैथिली भाषाभाषी धरि एहि सभ गीतक लिंक सब पहुँचत तँ आरो नीक होयत । एखन धरि लोकसमाज मे इन्टरनेट बड बेसी सुलभ नहि होयबाक कारण पेन ड्राइव, मोबाइल आदि मे गीत सब लोड कराकय सुनल-बजाओल जाएछ । आम जनमानस मे एहि सब तरहक कृत्ति केँ प्रदर्शित करबाक लेल उचित प्रचार माध्यमक बड पैघ जरूरत छैक आब । एहि सँ व्यवसाय आ रोजगार बढबाक संग-संग लोक सब केँ अपन भाषा मे बनि रहल उत्कृष्ट सृजन सँ मनोरंजन सेहो हेतैक, नवयुवा पीढी मे फिल्म क्षेत्र मे कैरियर बनेबाक प्रेरणा सेहो भेटतैक, लेखक-गीतकार सबकेँ नीक-नीक रचना लिखबाक इच्छा जगतैक । भाषाक भविष्य लेल ई बहुत जरूरी छैक ।

उचित प्रचार-प्रसारक कमीक कारण अन्यान्य भाषा सब मिथिलाक बाजार छेक लेने छैक, जाहि सँ अश्लीलता, नग्नता, फूहरता आ कूसंस्कार सब पसैर रहल छैक । जखन कि मैथिलीक मिठास केहेन होएत छैक जे केकरो गाइरो पढला स लोक आनन्देक अनुभव करैत अछि । मैथिली फिल्म आ वीडियो एल्बम केर निर्माण मे लागल अभियन्ता लोकनिक विचार सँ ई भाव स्पष्ट होएत अछि ।

उपरोक्त दुइ गीत जेकर लिंक देल गेल अछि ताहि मे जयराम यादव यदुवंशी आ कसक घिमिरेक अलावा दर्जनों कलाकार आ पेशाकर्मीक संयुक्त भूमिका अछि, गीतकार सह निर्माता सरोज मंडल, संगीतकार व गायक शैलेन्द्र विश्वकर्मा, गायिका ज्योति विश्वकर्मा, गायक भागवत मंडल, रेकर्डिंग स्टुडियो संगम सीरिज, मेक-अप पूजा कार्की, कैमरा सन्देश मोटे, निर्माता शिव शाह, निर्देशन आ संपादन दरपिलाल सरदार ‘मुस्कान’ केर प्रत्यक्ष सहभागिता देखल जाएछ, तहिना दर्जनों अन्य पेशाकर्मी-रोजगारीक सेहो समुचित भूमिका सँ निर्माण कार्य संभव भेल अछि । स्वाभाविक बात छैक जे मनोरंजनक वास्ते निर्माण कार्य सँ रोजगार उत्पन्न भेलैक आर यैह कोनो भाषाक भविष्य होएत छैक । मैथिली भाषा लेल विराटनगर फिल्म निर्माण केन्द्र केर रूप मे उपलब्ध भेला सँ दुनू कातक फिल्म पेशाकर्मी लेल हितकारक भेलैक अछि ।