सुभाषचंद्र झा, सहरसा। मई ५, २०१५. मैथिली जिन्दाबाद!
तूफान पीड़ित हेतु देल जा रहल राहत पर बिचौलियाक टेढ नजरि।
सहरसा सहित कोसी पूर्वी मिथिला मे भूकम्प, बिहारि, पाथर सँ किसानक सब फसल खराब भऽ गेल। कुसहा त्रासदी मे सेहो पीड़ित सब केँ मुआवजा राशिक इंतजार आइ धरि अछिये। प्रखंड स्तर पर लाभूक केर सूची बनेबा मे गड़बड़ी कएल जाइछ। ताहि लेल कतेको बेर धरना-प्रदर्शन सेहो भेल। मुदा अनुदान राशि ओकरे भेटलैक जे बिचौलियाक अनुसार कमीशन फरियौलक।
चक्रवाती तूफानक 15 दिन बितलाक बादो सहरसा जिला केर 151 पंचायत मे सँ 124 पंचायत मे सर्वेक्षण भेल अछि। जाहि मे सँ मात्र 2776 मकान केँ चिन्हित कैल गेल अछि। बाँकी सूची मे नाम जोड़बाक लेल लाभूक सब केँ पंचायत सँ लैत प्रखंड स्तर पर भाग-दौड़ कय रहल अछि। लाभूक सब कहलनि जे घरक अभाव मे त्रिपाल टाँगिकय आ अन्य अस्थायी निवास मे रहि रहल छी मुदा प्रशासनिक चक्कर मे राहत पेबा लेल पिसा रहल छी। ओना जिलाधिकारी शशिभूषण कुमार कहलनि जे सब अधिकारी व कर्मचारी केँ स्थलगत सर्वेक्षण कय सब पीड़ित केर सूची बनेबाक निर्देश देल गेल अछि, कोनो तरहक शिकायत पर त्वरित कारवाई करब।