राम भजन कामतक पाँचम फिल्म नाका केर प्रदर्शन फागुन १७-१८ सँ पूरे नेपालमे

काठमांडु, नेपाल। २३ फरबरी, २०१८. मैथिली जिन्दाबाद!!

रंगकर्म सँ फिल्म केर सफर कयनिहार कलाकारक सूची बहुत पैघ अछि। हिन्दी, अंग्रेजी, मैथिली, भोजपुरी, नेपाली – सब भाषा मे बनल फिल्म मे कलाकारक मुख्य आपूर्ति रंगकर्मक दुनिया सँ होयबाक परम्परा भेटैत अछि। ओना, कतेको कलाकार सीधे फिल्म मे सेहो अपन उत्कृष्ट कलाकारिता सँ लोकमानस मे अलग छाप छोड़बाक रेकर्ड सेहो भेटैत अछि। एहि रंगकर्म सँ फिल्मक यात्रा मे नेपालक प्रसिद्ध युवा रंगकर्मी रामभजन कामत केर नाम आइ-काल्हि खूब जोर-शोर सँ लेल जा रहल अछि।

रामभजन अभिनीत ५म नेपाली फिल्म नाका केर प्रदर्शन शीघ्र

यैह होलीक अवसरपर आगामी १७ गते यानि रवि दिन काठमांडू उपत्यका (भ्याली) मे आर १८ गते यानि सोम दिन देशक अन्य भाग मे प्रदर्शित होमय जा रहल चर्चित नेपाली फिल्म “नाका” मे राम भजन कामत मुख्य खलनायकक भूमिका मे अपन अभिनय कएलनि अछि। एहि फिल्म मे नेपालक अत्यन्त लोकप्रिय तथा सुपरस्टार रंगकर्मी विपीन कार्की थिन्ले, नेपालक सारङगीवादक प्रकाश गन्धर्व, रकस्टार रबिन तामाङ, शिव मुखिया, केशव राई, घनश्याम जोशी, राम भजन कामत, सजन थापामगर, अभिषेक सुवेदी आदिक अभिनय निहित अछि। मिडिया पर्ट आर हाइलाइटस नेपाल केर प्रस्तुति मे बनल ई फिल्म नाका केर निर्देशन अमित श्रेष्ठ केर छन्हि। ई नेपाली फिल्म नेपाल ओ चीनक सीमाक्षेत्र तातोपानी नाकामे होइवला अबैध कालाबाजारीक कथा पर आधारित अछि।

राम भजन कामतकेर भूमिका मुख्य खलनायक केर आ अभिनेता (नायकक) भूमिका बाद दोसर सर्वाधिक दृश्य मे अपन उपस्थिति देखेनिहारक रूप मे खुद अभिनेता विपीन कार्की द्वारा शूटिंग केर समय सँ कइएक बेर प्रशंसा आ आगाँ आरो बेहतर प्रदर्शनक अपेक्षाक बात सुनल जाएत रहल अछि। राम भजनक ई पाँचम फिल्म थिक। एहि सँ पूर्व मैथिली फिल्म प्रेम सफलक संग रोमान्स, हुलाकी, १२ नेपाली एक चिहान सूचीकृत अछि। पोस्टप्रोडक्सनमे विपिन कार्कीद्धारा अभिनित हरी मे सेहो राम भजन कामत उल्लेख्य भूमिका मे देखेता एहि बातक जनतब सेहो भेटल अछि।

खुशखबरी – नेपालक सेवा आयोग परीक्षा मे राम भजन कामत केँ भेटलनि सफलता

खुशखबरी एकटा आरो अछि जे नेपालक सेवा आयोग परीक्षा मे कला एवं रंगकर्म क्षेत्रक प्रतिनिधित्व लेल निर्धारित सुब्बा तह केर सरकारी नौकरीक पदपर सेहो राम भजन कामत सफलता पेलनि अछि। मैथिली जिन्दाबाद केर तरफ सँ हुनका सफल आ सुन्दर कैरियर लेल बेर-बेर शुभकामना! समस्त बिराट मैथिल नाट्यकला परिषद् केर सदस्य केँ बधाई!