विराटनगर मे मैथिली चलचित्र संघक स्थापना

विराटनगर, २० फरबरी, २०१८. मैथिली जिन्दाबाद!!

नेपालक प्रसिद्ध औद्योगिक नगरी विराटनगर आब नव संघीय नेपालक प्रान्त संख्या १ केर राजधानीक रूप मे सेहो स्थापित होमय जा रहल अछि आर अदौकाल सँ एहि ठामक मैथिली भाषा-भाषी समाज द्वारा कयल गेल विभिन्न शैक्षिक, बौद्धिक, साहित्यिक, सामाजिक, सांस्कृतिक, आर्थिक योगदान केँ महत्वपूर्ण स्थान भेटैत रहबाक बात एतुका विभिन्न व्यवहार आ आयोजन सब सँ स्पष्ट अछि। मैथिली कला, संगीत, चित्रकला, रंगकर्म, फिल्म – सब क्षेत्र मे सराहनीय प्रयास कयल जाएत रहल अछि। एहि क्रम मे सामाजिक अभियन्ता प्रवीण नारायण चौधरी, आभा अनुपमा, विरेन्द्र झा, सन्तोष सरकार, शंभू सहनी, राजेश झा, राधा मंडल, प्रेम नारायण झा, धीरज बर्मा, विरेन्द्र कुमार साह, विकास चन्द्र झा आदिक सक्रिय सहभागिता मे मैथिली फिल्म तथा फिल्मकर्मीक बेहतर भविष्यक लेल एकटा चलचित्र संघक स्थापना कयल गेल अछि। एहि संघक प्रारम्भिक जिम्मेवारी सब पूरा करबाक लेल संयोजनक भार प्रवीण नारायण चौधरी, सह-संयोजक आभा अनुपमा ओ सन्तोष सरकार, कोषाध्यक्ष प्रेम नारायण झा ओ राधा मंडल, सचिव विरेन्द्र कुमार साह ओ धीरज बर्मा सहित कुल १५ सदस्यीय तदर्थ समिति गठन कयल गेल अछि।

मैथिली फिल्म मे लगानी करबाक वातावरण निर्माण संग-संग फिल्म सँ जुड़ल सम्पूर्व व्यवस्थापन नियंत्रित आ न्युनतम खर्च मे पूरा कयल जेबाक संग-संग फिल्म सँ जुड़ल कलाकार आ तकनीकी योगदानकर्ताक मेहनताना सेहो सुनिश्चित कयल जेबाक वातावरण निर्माणक प्रारम्भिक जिम्मेवारी उपरोक्त संघ उठेलक अछि। एहि मे जुड़निहार सदस्य आ लगानीकर्ताक भविष्य केँ बीमाकृत करेबाक संग नवगठित प्रदेश मे मैथिली भाषा व अन्य स्थानीय भाषा मे बनायल जा रहल फिल्म, सीरियल, एल्बम् आदिक उचित प्रोमोशन (संवर्धन-प्रवर्धन) हेतु योजना विकासक संग उचित बीमा आ बाजार आदि उपलब्ध करेबाक लेल नीति नियमन हेतु सेहो प्रयास करबाक होयत। सेन्सर बोर्ड सेहो प्रदेश स्तर पर होय आर सेन्सर केर नियम पारदर्शी हो, संगहि मैथिली सिनेमा केँ टैक्स फ्री करैत विभिन्न सिनेमा घर मे प्रदर्शन लेल आरक्षित अवसर भेटबाक व्यवस्थापन राज्य सरकार द्वारा कयल जाय। एहि क्षेत्र मे कार्यरत कलाकार सभक सोझाँ भूखमरीक समस्या नहि आबय ताहि लेल सेहो उचित व्यवस्थापन कयल जाय। एहेन कतेको रास फिल्म संवर्धन-प्रवर्धनक मांग सहित ई संघ आगामी समय मे अपन कार्यक्षेत्र विस्तार कयल जेबाक बात उपरोक्त स्थापना दिवस नवनियुक्त तदर्थ समिति सदस्य लोकनि द्वारा कयल गेल।

एहि बैसार मे बालीवूड अभिनेता नफे खान सेहो मौजूद छलाह। ओ अपन अनमोल सुझाव दैत तकनीकी तौर पर मैथिली फिल्म केँ बढावा देबाक आवश्यकता पर जोर दैत एहि लेल उचित प्रयास मे अपना स्तर सँ योगदान देबाक आश्वासन देलनि। संगहि, मैथिली फिल्म एसोशियेशन लेल छोट-छोट विज्ञापन आदि बनाकय एकरा आरो संवर्धन-प्रवर्धन करबाक लेल सेहो ओ आश्वासन देलनि।