अभियानः पत्रकार बनू, अपन क्षेत्रक उत्पाद-ब्रान्ड केर विज्ञापन करू आ आमद कमाउ
वर्तमान युग मे सूचनाक प्रसारण – समादक संचरण अत्यन्त महत्वपूर्ण बनि गेल अछि। संपूर्ण संसार एहि सूचनाक आदान-प्रदानक कारण एकटा ग्लोबल परिवारक छोट अंगना समान बनि गेल अछि। एहि युग मे पर्यन्त मैथिली भाषाक संचार मजबूत नहि भऽ सकत त एहि महत्वपूर्ण भाषाक भविष्यपर निश्चित लोपोन्मुख होयबाक आशंका सत्य साबित भऽ सकैत अछि। हलांकि लगभग सौ वर्ष सँ ऊपर केर इतिहास सँ संपन्न मैथिली पत्रकारिता मे कोनो ठोस उपक्रम केर आयू बड बेसी दिन नहि रहि सकल अछि, मुदा आनलाइन पत्रिकाक प्रकाशन आन सँ कम खर्चीला आ सहज होयबाक कारणे बेसी उपयोगी सिद्ध होएत दीर्घायू होयबा मे कोनो सन्देह नहि देखाएछ। परन्तु आनलाइन पत्रिका मार्फत पत्रकारिता केँ सेहो सुसंगठित करबाक काज बहुत खर्चीला आ चुनौतीपूर्ण छैक। पूँजीक अभावक कारण सब ठाम पत्रकारक नियुक्ति, पारिश्रमिक भुगतानीक व्यवस्था आदिक कमीक कारणे समाचार संकलन मे बहुत अधिक दिक्कत अबैत छैक। तखन चोरी कय केँ एक पत्रिका सँ दोसर पत्रिका आ फेसबुक पर उपलब्ध जानकारी सभक आधार पर मैथिली संचारकर्म केँ उत्कृष्ट बनायब सेहो संभव नहि छैक। अतः स्वयंसेवा सँ एकर परिमार्जन आ संवर्धन करैत किछु उपार्जन सेहो कयल जेबाक उपाय आ विकल्प टा हम देखि रहल छी आ बेर-बेर एहि लेल मैथिल जनमानस – खास कयकेँ युवा समाज सँ अपील करैत आबि रहल छी। अहाँ केँ मंच चाही, मार्गदर्शन चाही आ मेथड (तरीका) सेहो बुझय पड़त। एहि सब लेल मैथिली जिन्दाबाद एकटा अवसर प्रदान करत। अहाँ केँ कि सब करबाक अछिः
१. सर्वप्रथम अहाँ अपन ईमेल आइडी, अपन आइडी प्रूफ आ एड्रेस प्रूफक संग सम्पर्क नंबर (मोबाईल) आदि प्रेषित करू। अपन परिचय संछेप मे लिखू। अहाँ कतय रहैत छी, केहेन तरहक पत्रकारिता करबाक इच्छा रखैत छी आर पूर्वक अनुभव कि अछि, लेखनी कतेक आ कोन डिवाइस सँ करब, इत्यादि आधारभूत जानकारी पठाउ। ईमेल कय सकैत छीः [email protected] पर। अपन फोटो सेहो पठाउ। संभव होयत त अहाँ लेल प्रेस कार्ड बनबेबाक व्यवस्था सेहो कयल जायत।
२. मैथिली जिन्दाबाद पर प्रकाशित कोनो लेख-रचना लेल हाल धरि पारिश्रमिक केर इन्तजाम नहि कयल गेल अछि। अतः अहाँ अपन क्षेत्र सँ विज्ञापन संकलन करब, तेकर अधिकांश भाग अहींक आय होयत आर किछु अंश मैथिली जिन्दाबाद केर संचालन खर्च वास्ते अहाँ शेयर करब। एहि तरहें आमदनीक बाट सेहो एहि मंचक उपयोग सँ भेटत।
३. मैथिली जिन्दाबाद पूर्णरूपेण व्यक्तिगत प्रयास सँ संचालित होएत अछि आर एहि मे कोनो तरहक सरकारी अनुदान वा संस्थागत सहयोग आदि बिना लेने संपूर्ण संचालन व्यय आदि भुगतान कयल जाएछ। एकर पूर्ण स्वामित्व संपादक प्रवीण नारायण चौधरीक पास सुरक्षित अछि।
४. मैथिली जिन्दाबाद द्वारा यूजरनेम संग पासवर्ड भेटत आर फेर अहाँ समाद, विचार, साहित्यिक रचना, आदि सब किछु उचित पेज आ वर्ग मे पोस्ट कय सकब। उचित फोटो लगा सकब। आर प्रकाशन केलाक बाद ओकर लिंक शेयर करैत सामाजिक संजाल मार्फत समुचित प्रचार-प्रसार आदि सेहो करब, जाहि सँ अहाँ द्वारा प्रेषित समाचार-विचार-लेखादि बेसी सँ बेसी लोक पढि सकैत छथि।
५. विज्ञापनदाता सँ हुनक उत्पाद केर फोटो फाइल लैत उपरोक्त ईमेल आइडी पर पठा देब। विज्ञापन केर साइज मुताबिक रेट आदिक बात पहिनहि फाइनल कयकेँ एकटा अफर लेटर दुनू पक्ष द्वारा एग्रीमेन्ट जेकाँ साइन कय विज्ञापन पेज पर लगा देल जायत। ओकरा लेल तय कयल गेल वार्षिक शुल्क पत्रकार आ संचालक बीच कोना कि बाँटल जायत सेहो बता देल जायत।
आब आउ, ई जानू जे अहाँ कोनो समाचार लिखबाक लेल कोन प्रारूप अपनायबः
न्यूज/प्रेस-रिलीज लिखबाक लेल प्रचलित 5W 1H Lead/Inverted Pyramid Technique अपनाउः

फोटो एवं सामग्रीः डा. सी. के. राउत फेसबुक पेज
यदि अहाँ केँ समाचार लेखन मे रुचि अछि, अथवा अहाँ कोनो कार्यक्रमक प्रेस-विज्ञप्ति जारी करय चाहैत होइ, तऽ व्यवसायिक पत्रकार द्वारा अपनायल जायवला “उल्टा पिरामीड” केर विधि अपनेला सँ सहज आर प्रभावकारी होयत। एहि तरहें फारमेट मे रहलापर अहाँक समाचार समाचारपत्र या आनलाईन पत्रिका द्वारा सीधा छापल जा सकैत अछि, फेसबुक, ट्वीटर सहित केर सामाजिक संजाल मे सेहो अहाँक बात नीक जेकाँ अपन प्रभाव छोड़त।
Inverted Pyramid विधि मे सबसँ महत्त्वपूर्ण समग्र मूल जानकारी पहिलुके लाइन/अनुच्छेद मे लिखल जाएत छैक, तेकरा बाद कम-कम महत्त्वपूर्ण और विस्तार केर बात अबैत छैक। जखन कि निबन्ध, कथा या उपन्यास मे एकर ठीक उल्टा होएत छैक – पहिने छोट-छोट परिचयात्मक चीज सँ शुरु कय बाद मे मूल रहस्य या महत्त्वपूर्ण बात लिखल जाएत छैक।
Inverted Pyramid फारमेट मे समाचार/प्रेस-विज्ञप्ति मे निम्न बात हो:
१. Headline: उपयुक्त और सटीक शीर्षक दी; ज्यादा भड़काउ नहि ताकि पूरा समाचार पढलाक बाद पाठक केँ निराशा भऽ जाएन्ह
२. Byline, Dateline, Placeline: संवाददाता (या समाचार लिखनिहारक नाम), तिथि और कतय सँ लिख रहल छी, से लिखी
३. LEAD: ई सबसँ महत्त्वपूर्ण अछि। शुरु केर १ या पहिल अनुच्छेद केर २-३ लाइन एहेन हो जाहिमे सब महत्त्वपूर्ण बात आबि जाय, वैह १ लाइन पढिकय पूरा समाचार बुझि जाय। एहि सँ फेसबुक और ट्वीटर पर सेहो समाचार प्रसारण मे आसानी होएत छैक, कियैक तँ पाठक केँ सिर्फ १ लाइन पढि लेला सँ पूरा मूल-समाचार लगभग बुझय मे आबि जाएत छैक।
LEAD मे 5 W और 1 H केर जबाब आबक चाहीः
-What
-Who
-Where
-When
-Why
-& How
४. BODY:
A. Details: विस्तृत जानकारी दी
B. Quotes: समाचार लिखय वला सम्बन्धित संस्था वा संगठनक पदाधिकारी केर वक्तव्य, जनताक अभिव्यक्ति आदि जे हो से उल्लेख करी।
अगर संगठन केर प्रेस-रिलिज हो, तऽ
– शुरु मे: तुरन्त प्रकाशनक लेल / For Immediate Release लिख सकैत छी जाहि सँ ओ तुरन्त प्रकाशनक लेल होयबाक बातक जानकारी देत।
– अंतिम मे: सम्पर्क व्यक्ति केर नाम, इमेल और मोबाइल नं जरूर दी जाहि सँ कोनो संपादक केँ किछु छूटल वा उपलब्ध सँ बेसी जानकारी लेबाक हेतनि त ओ फोन द्वारा बात कय केँ लय सकैत छथि।
अगर तस्वीर संलग्न करी तँ:
(क) Caption: तस्वीर मे कि छैक तेकरा स्पेसिफिक शीर्षक (पुरान अछि, तऽ File Photo सेहो लिखू)
(ख) तस्वीर केकरा द्वारा लेल गेल छैक (कपीराइट केकरा पास छैक), ओकरो नाम लिखी।
Password: Ram_Sogarath_Yadav-123
www.maithilijindabaad.com/wp-admin