किसलय कृष्ण – मधुबनी। मैथिली जिन्दाबाद, मई ४, २०१५.
मिथिला रंग महोत्सवक तेसर संध्या मैलोरंग – दिल्ली आ थियेटर युनिट दरभंगा द्वारा क्रमश: चान चकोर आर फाँस नाटकक मंचल भेल। सेक्सपियर केर रोमियो-जुलियट केर मैथिली रूप चान-चकोर केर निर्देशक प्रकाश झा केलनि आ विजय दान देठा लिखित फाँस एनएसडी प्रशिक्षित श्याम सहनीक निर्देशन मे संपन्न भेल। समापन समारोह केँ प्रसिद्ध नाटककार महेन्द्र मलंगिया आ जिल परिषद् उपाध्यक्ष भरत भूषण संबोधित केलनि। भरत भूषण आयोजक संस्था केँ मधुबनी मे एहि तरहक ऐतिहासिक आ विलक्षण रंगकर्मक प्रदर्शन सँ समूचा शहर लाभान्वित हेबाक बात कहैत बेर-बेर एहि तरहक आयोजन लेल आमंत्रण सेहो केलनि, संगहि अपन हर तरहक सहयोग देबाक लेल वचनबद्धता प्रकट केलनि।
एम्हर अखिल भारतीय मिथिला पार्टीक महासचिव रत्नेश्वर जा मधुबनी मे आयोजन प्रति स्थानीय जनता व नेताक सहयोग आयोजक संस्था केँ नहि भेटबाक शिकायत करैत मैथिली जिन्दाबाद केँ जानकारी करौलनि जे ओ स्वयं विभिन्न दरबज्जा पर जाय आयोजनक पाछाँ भऽ रहल विशाल खर्च मे सहयोग जुटेबाक प्रयत्न केलनि, मुदा निराशा छोड़ि आन किछुओ हाथ नहि लगलनि। स्थानीय लोकमानस मे आयोजक संस्था दिल्ली मे खूब सरकारी कोष पबैत अछि से कहि कोनो सहयोग करय सँ नकारि देलकनि।
एहि अवसर पर सहरसा सँ सेहो मैथिल अभियानी लोकनि कलाकार तथा आयोजनकर्ताकेँ उत्साहवर्धन करबाक दृष्टिकोण सँ पहुँचल छलाह। वरिष्ठ पत्रकार एवं मैथिली कवि सुभाष चन्द्र झा, मैथिल अभियानी तथा स्वतंत्र पत्रकार अमित आनन्द सहित दरभंगा, मधुबनी सँ सेहो विभिन्न राजनीतिक हस्ती ओ साहित्य शिल्पी सबहक जमघट भेल छल। अमित आनन्द मैथिली जिन्दाबाद केँ जानकारी करौलनि जे कार्यक्रम अत्यन्त सराहनीय भेल, आयोजनकर्ता सब बहुत प्रसन्न छलाह, सहरसा सँ हमरो लोकनिकेँ मधुबनी पहुँचल देखि मंच सँ धन्यवाद व्यक्त करैत आगामी समय मे सहरसा मे सेहो एहि तरहक आयोजन करबाक आश्वासन मैलोरंग केर अध्यक्ष प्रकाश झा करेलनि।