मुजफ्फरपुर केर विधायक सुरेश शर्मा सबकेँ अपन प्रयास पर सफलता पेबाक बधाई दैत ज्ञापन देलनि अछि जे भारतीय १०० शहर मे मुजफ्फरपुर केँ सेहो समेटबाक हुनकर अनुरोध मंत्री वेंकैया नायडू द्वारा मानल गेल। एहि लेल ओ केन्द्र सरकार तथा मंत्रीक संग मुजफ्फरपुरवासी केँ सेहो खूब धन्यवाद देलनि।
निश्चित रूप सँ ई सफलताक पूर्ण श्रेय विधायक शर्मा केँ जाइत छन्हि कारण केन्द्र सरकारक एहि तरहक योजनाक घोषणाक तुरन्त बादहि ओ अपना तरहें पत्राचार, भेंटघाँट आ मुजफ्फरपुर केँ कियैक स्मार्ट सिटी बनाओल जाय ताहि पर निरंतर औचित्यक प्रवाह मिडिया आदि मे सेहो दैत रहला।
ओना तऽ गंगा उत्तर केन्द्र आर राज्य सरकारक उपेक्षाक इतिहास रहबे कैल अछि, लेकिन वर्तमान राजग सरकार सँ किछु न्यायक आशा कयने रहलाक बावजूद एकमात्र मुजफ्फरपुर केँ एहि सूची मे शामिल कैल गेल, जखन कि गंगाक दक्षिण ४ अन्य शहर केँ बिहार सँ एहि सूची मे स्थान भेटल।
आइ विधायक शर्मा अपन फेसबुक पेज द्वारा ओहि पत्र केँ सेहो सार्वजनिक करैत अपन प्रयास सँ जनमानसकेँ अवगत करौलनि अछि जाहि मे हुनका द्वारा देल गेल पत्र केँ मंत्री वेंकैया नायडू प्राप्तिक सूचना दैत १०० स्मार्ट सिटी बनेबाक भारत सरकारक योजना पर प्रकाश देने छथि।
विधायक शर्मा सँ मिथिलाक्षेत्रीय अन्य विधायक आ जनप्रतिनिधि सांसद सहित हर स्तर पर लोक मे जागरुकता एबाक चाही। अपन क्षेत्र लेल जाबत कियो जोरदार माँग नहि करत, जाबत ओकर औचित्य केँ समुचित मंत्रालय तक अनबा मे सफल नहि होयत, जाबत अपन क्षेत्रक जनमानस केँ एहि तरहक माँग संग जोड़िकय दबाव नहि बनायत, ताबत कोनो कार्य केन्द्र या राज्य द्वारा चटपट मे करेनाय संभव नहि बुझाइत अछि। एहेन कतेको रास माँग आइ धरि अधर मे लटकल अछि – जाहि मे दरभंगा क्षेत्रक औद्योगिक वातावरणकेँ पुनर्बहाली सेहो पड़ैत अछि।