बनगाँव, सहरसा। नवम्बर २३, २०१७. मैथिली जिन्दाबाद!!
रथयात्रा मे पर्यन्त सहभागी यात्री ‘कुमुदानन्द झा’ केर मैथिली जिन्दाबाद लेल विशेष रिपोर्ट
बनगाँव सँ परसरमा बाबाजी कुटी तक निकलल भव्य ‘गोस्वामी लक्ष्मीनाथ सरबा सदभावना यात्रा’
गोस्वामी लक्ष्मीनाथ सेवा मिशन सहरसा द्वारा आयोजित द्विदिवसीय गोस्वामी लक्ष्मीनाथ महोत्सव आइ सरबा सदभावना यात्राक संग सम्पन्न भेल। ई महोत्सव 2016 सँ गोस्वामी लक्ष्मीनाथ बाबाजीक अवतरण दिवस पर विवाह पंचमी कय लक्ष्मीनाथ सेवा मिशन सहरसा द्वारा मनाओल जाइत अछि। एकर मूल उद्देश्य बाबाजीक महिमा केँ अत्यधिक प्रचार-प्रसार आ समाजक युवा वर्ग केँ बाबाजीक अनुपम संदेश सँ परिचित करेबाक अलावे गोस्वामी लक्ष्मीनाथ कन्या विवाह योजना तथा सामूहिक उपनयन संस्कार लेल सेहो प्रचार-प्रसार छल।


महोत्सवक दोसर दिवस बाबाजी कुटी बनगाँव सँ सरबा सद्भावना यात्रा निकलल। यात्राक रथ केँ पूर्व विधायक तथा गामक सपुत डॉ आलोक रंजन एवम् सहरसाक डीएसपी प्रभाकर तिवारीजी सहित मिशनक प्रवक्ता आचार्य कुमुदानन्द झा प्रियवर संयुक्त रूप सँ बाबाजीक झंडा देखा कय विदा केलनि। ई रथ बाबाजी कुटी बनगाँव सँ मत्स्यगंधा सहरसा कुटी होयत परसरमा कुटी तक भव्य रूप मे निकलल।
एहि यात्रा मे ब्राह्मण महासभाक सहरसा जिलाध्यक्ष रमण झा, शैलेश झा, राहुल, बिल्टू, राहुल झा बनगाँव, भरत झा, सोनू संगम, विवेक, विशाल, मुखियाद्वय बनगाँव धनञ्जय झा तथा विनोद प्रसाद झा आदि उपस्थित रहैथ।