दहेज मुक्त मिथिला द्वारा शपथ समारोहः सतीघाट – कुशेश्वरस्थान मे जोरदार ग्रामीण सहभागिता

हिरणी, दरभंगा। १८ नवम्बर, २०१७. मैथिली जिन्दाबाद!!

आम ग्रामीण जनमानस द्वारा दहेज मुक्त मिथिला निर्माणार्थ सामूहिक शपथ ग्रहण

हिरणी – सतीघाटक नन्दकिशोर उच्च विद्यालय प्रांगण मे मनोज शर्माक नेतृत्व मे दहेज मुक्त मिथिला निर्माणार्थ संकल्प सभा – नाराः दहेज भगाउ – बेटी बचाउ

दहेज मुक्त मिथिलाक दरभंगा संयोजक मनोज शर्माक अध्यक्षता एवं अन्तर्राष्ट्रीय धावक आर के दीपक केर प्रमुख आतिथ्य मे सम्पन्न ग्रामीण सभागोष्ठी मे दहेजक कूरीति सँ अपन समाज केँ बचेबाक वास्ते सामूहिक शपथ ग्रहण करबाक समाचार आयल अछि।

संकल्प सभाक प्रमुख अतिथि धावक आर के दीपक द्वारा ग्रामीण केँ शपथ दियाबैत – न दहेज लेबय, न दहेज देबय

एहि सामूहिक शपथ ग्रहण समारोह अन्तर्गत भारी संख्या मे महिला, पुरुष, छात्र-छात्रा द्वारा दहेज नहि लेब आ नहिये देब केर वचनोच्चारणक संग शपथ लेल गेल अछि। एहि सभा मे उपस्थित धनंजय झा अपन पैघ भाइ केर विवाह पूर्ण दहेज मुक्त होयबाक घोषणा कयलन्हि जाहि पर सभाक प्रमुख अतिथि आर के दीपक सहित वयोवृद्ध समाजसेवी तथा दहेज मुक्त मिथिलाक सक्रिय अभियंता राम सिंहासन मंडल द्वारा हुनका सम्मान देबाक घोषणा कयल गेल। सभा द्वारा प्रत्येक महीना एहि तरहक गोष्ठी करबाक नियार करैत सदस्यता अभियान चलेबाक निर्णय सेहो लेल गेल छल।

स्व. टी. पी. निराला – भवानीपुर (नवटोल) – बिरौल महाविद्यालयक वरीय लिपिक – समाजसेवी आ दहेज मुक्त मिथिलाक प्रणेता, पिता आर के दीपक

संयोजनक संग-संग सभाक अध्यक्षता कयनिहार मनोज शर्मा स्वयं संचालन करैत दहेज मुक्त मिथिलाक उद्देश्य सँ समस्त ग्रामीण केँ परिचित करौलनि। ओ प्रदेशक मुखिया नीतीश कुमार द्वारा सेहो बिहार केँ दहेज मुक्त करबाक निर्णय केर स्वागत करैत ग्रामीण सब सँ एहि दिशा मे संकल्प लेबाक अनुरोध कयलनि। संगहि हरेक पंचायत मे ई अभियान कोना पहुँचत ताहि दिशा मे अभिभावक सब सँ सहयोगक अपील केलनि।

दहेज मुक्त मिथिलाक ब्रान्ड एम्बैसेडर आर के दीपक आ सहयात्री अभियंता मनीषा भारती – दहेज प्रथा केँ निर्मूल समाप्त करबाक सन्देश संग मैराथन मे सहभागिता आ युवा शक्ति केँ सहभागिता देबाक लेल प्रेरणादाता

नन्दकिशोर उच्च विद्यालय – सतीघाट केर प्रांगण मे आयोजित एहि ग्रामीण सभा मे भाजपाक स्थानीय युवा नेतृत्वकर्ता प्रकाश चौधरी तथा केवटगामाक वरिष्ठ राष्ट्रीय स्वयंसेवक संघक सदस्य संजय सिंह सेहो संबोधन करैत हरेक गाम मे एहि तरहक अभियानक जरुरत पर बल देलनि। ओ घोषणा कयलनि जे दहेज मुक्त मिथिलाक पुनीत उद्देश्य सँ समाजक कल्याण सुनिश्चित अछि, ताहि हेतु एहि तरहक संकल्प सभा लेल ओ सब हर तरहक मदैद देता आ ऐगला आयोजन केवटगामा मे करेबाक वचनबद्धता सेहो ओ प्रकट कयलन्हि।

ब्रान्ड एम्बैसेडर आर के दीपक संग स्कूली छात्रा – दहेज भगाउ – बेटी बचाउ – बेटी पढाउ

मनीषा भारती दहेज मुक्त मिथिलाक अभियान मे बिरौल सँ दरभंगाक मैराथन दौड़ केर क्रम मे जाहि तरहक पब्लिक समर्थन भेटल तेकर चर्चा करैत युवा आ खास कय विद्यालय-महाविद्यालयक छात्र-छात्रा केँ एहि उद्देश्य लेल आगू आबय लेल अनुरोध कयलीह। तहिना युवा शक्ति घनश्याम चौधरी, कौशल चौधरी, कार्तिक रौशन झा, आशीष मनीष, रंजीत नुनू सहित दर्जनों अन्य वक्ता लोकनि दहेजक कूरीति पर चर्चा कयलनि आर अन्त मे समस्त ग्रामीणक संग आर के दीपक केर नेतृत्व मे शपथ ग्रहण कयल गेल।

नैना कुमारी – बाल कलाकार द्वारा ‘दहेज भगाउ – बेटी बचाउ’ गीत केर गान सँ श्रोता लोकनि मंत्र-मुग्ध भेल छलाह। सहिये छैक, बाल मन सँ सेहो दहेजक कूरीतिक कुहरब सुनि केकरो मोन द्रवित भऽ जाएत छैक से एहि गीतक प्रस्तुति सँ देखायल। तहिना युवा कवि कौशल कुमार द्वारा कविताक माध्यम सँ एहि कूरीति केँ दूर करबाक सन्देश देल गेल।

वयोवृद्ध शिक्षाविद् समाजसेवी राम सिंहासन मंडल – ब्रान्ड एम्बैसेडर आर के दीपक केर दादा आ दहेज मुक्त मिथिला अभियंता

कार्यक्रमक अन्त मे वयोवृद्ध समाजसेवी – शिक्षाविद् राम सिंहासन मंडल केँ सम्मानित कयल गेल छल। विदित हो जे राम सिंहासन मंडल ९५ वर्षक अबस्था मे रहितो अपन समाजसेवी पुत्र स्व. टी. पी. निरालाक स्मृति मे पौत्र आर. के. दीपक व परिवारक अन्य सदस्य बच्चा सँ वृद्ध धरिक संग स्वयं भाग लैत रहला अछि आर अपन वृद्धावस्थाक असमर्थता केँ किनार करैत ओ सदिखन समाज केर हित लेल अपन भरपूर योगदान करैत रहला अछि। दहेज मुक्त मिथिलाक एहि ग्रामीण सभा मे हुनकर सम्मान सँ सभा स्वयं सम्मानित भेल – ई बात बुद्धिजीवी समाजक लोक प्रतिक्रिया देलनि।