साभारः फेसबुक ग्रुप – झारखंड मैथिली मंच पर अभय कुमार झा केर पोस्ट सँ
निवेदन
🙏🏻🙏🏻🙏🏻🙏🏻🙏🏻🙏🏻🙏🏻🙏🏻
झारखण्डक समस्त मैथिली भाषी-प्रेमी समर्थक-सहयोगी लोकनि ई बात जनैत छथि जे “झारखण्ड मैथिली मंच”, अपन विभिन्न कार्यक्रमक माध्यमसँ अनवरत मैथिली भाषा, साहित्य एवं संस्कृतिक संवर्धन, संरक्षण एवं प्रसार सँ प्रतिबद्ध रहैत झारखण्ड प्रदेशक एकटा सक्रिय अग्रणी संस्थाक रूपमें प्रसिद्ध भऽ चुकल अछि ।
झारखण्डक निर्माण सँ पूर्वहि 1997 में एकर स्थापना भऽ चुकल छल तथा ई सरकारक ‘संस्थान पंजीयन कानून 1861′ क अंतर्गत एकटा विधिवत पंजीकृत संस्था थीक। एकर पंजीयन संख्या 289/2005-06 थीक। संस्थाक प्रधान कार्यालय कार्तिक उराॅव चौकक समीप हरमू हाउसिंग काॅलोनी, डी-148 संख्यक भूमि में सम्प्रति “विद्यापति दलान“ क रूप में अवस्थित अछि। पिछला दशक में अपने लोकनिक सदृश अनेक उदार व्यक्तिक सहयोग सँ विद्यापति दलानक संग घरो बनयबाक हेतु आवश्यक आवासीय भूमिक प्रबन्ध करबामे मंच सफल भेल अछि आ…2250 वर्गफीट भूमि तद्निमित्त उपलब्ध अछि।
एहि उपलब्ध भूमि पर झारखण्ड मैथिली मंच द्वारा जे भवनक निर्माण कार्य भऽ रहल अछि से पूर्ण भऽ गेला पर ओहि में अत्याधुनिक सुविधा आ आवश्यक संसाधन सँ युक्त पुस्तकालय, वाचनालय, अतिथी-गृह, सामुदायिक-प्रशाल, बैसक एवं संगोष्ठीक निमित व्यवस्था तथा मांगलिक प्रयोजनक निर्वाह हेतु उपलब्ध उपयुक्त स्थल आदिक रूपरेखा बनाऔल गेल अछि।
झारखण्ड मैथिली मंचक ई महायज्ञ बिना अपने लोकनिक सहयोग सम्पन्न नहि भऽ सकैछ । अतः अपन मातृभाषा एवं अपन सांस्कृतिक परम्पराक संवर्धनक हेतु अपने लोकनि सँ निवेदन जे जहिना विद्यापतिक दलानक भूमि हेतु अपने लोकनि सहयोग देलहुँ तहिना आब विद्यापतिक मैथिलीक घर-आंगनक हेतु सेहो उदारता सँ सहयोग दय कय अपन एहि संस्थाक संकल्पकेँ पूर्ण करवामे सहभागी बनि “झारखण्ड मैथिली मंच“ केँ कृतार्थ करी ।
परंतु अत्यतं दुखक गप जे अपने समाजक किछु असमाजिक तत्व निचता केर सब हद पार करैत गलत नामक उपयोग कय एहि मुहीम केँ प्रभावित वा अपन स्वार्थ सिद्ध करबा मे लागि गेल छैथ । अखबार मे बेनाम संस्था केर नाम सँ उटपटांग खबैर पठबैत रहैत छैथ । अपना केँ मंचक संग बता निज स्वार्थ सिद्धि हेतु सहयोग राशि केर उगाही मे सेहो लागल छैथ । एहेन बहुरूपिया लोक सँ सावधान रही वा सहयोग मात्र चेक द्वारा करी –
सहयोग हेतु मंचक बचत खाताक विवरण निम्न थीक :
झारखण्ड मैथिली मंच / JHARKHAND MAITHILI MUNCH
बैंक – ईलाहाबाद बैंक
शाखा – हरमू हाउसिंग काॅलोनी, राँची
खाता संख्या – 20265800541.
IFSC – ALLA 0211149
🙏🏻🙏🏻🙏🏻🙏🏻🙏🏻🙏🏻🙏🏻🙏🏻
निवेदक : झारखंड मैथिली मंच परिवार ।
पुनः – हर्षक गप जे भूतलक निर्माण कार्य पूर्ण भऽ गेल।