Search

सहरसा फेसबुक ग्रुप मिलन समारोहः चारिम वर्षक आयोजन रहत अविस्मरणीय

नवम्बर १२, २०१७. मैथिली जिन्दाबाद!!

सहरसा ग्रुप मिलन समारोह केर यादगार आयोजन

दिनांक 05.11.2017 रवि दिन सहरसा मे स्थानीय रमेश झा महाविद्दालय सभागार मे सोशल मीडिया फेसबुक पर सक्रिय “सहरसा ग्रुप” केर वार्षिक आयोजन सम्पन्न भेल । ई आयोजन दिनक 3 बजे शुरू होएत सेमिनार, सांस्कृतिक आयोजन, नाटक, कवि-सम्मेलन जेहेन अनेक सत्रक संग भव्यता सँ सम्पन्न होयबाक जनतब आयोजक समूहक संयोजक कुमार रविशंकर मैथिली जिन्दाबाद केँ करौलनि ।

समारोहक उद्घाटन रमेश झा महिला महाविद्दालयक प्राचार्या डा. रेणु सिंह, राजेंद्र मिश्र महाविद्दालयक प्राचार्य डा. आर. बी. झा, सर्वनारायण सिंह महाविद्दालयक प्राचार्य डा. के. एस. ओझा, राष्ट्रपति पुरस्कार सँ सम्मानित शिक्षाविद् श्री विक्रमादित्य खां, सदर एस. डी. पी. ओ. श्री प्रभाकर तिवारी, निर्वतमान विधायक डा. आलोक रंजन, श्री किशोर कुमार मुन्ना, समाजसेवी डा. शशिशेखर सम्राट, स्वराज अस्पताल केर निदेशक डा. रमण झा, जिला कबड्डी संघक सचिव मनोरंजन सिंह, क्रिकेट संघक सचिव श्री रोशन शिंह धोनी, श्री मुक्तेश्वर मुकेश, मधेपुरा टाइम्स केर संपादक श्री राकेश सिंह, सहरसा ग्रुप केर संस्थापक कुमार रविशंकर आदि द्वारा सामूहिक रूप सँ दीप प्रज्जवित करैत कयल गेल ।  ताहि उपरांत मिथिला संस्कृति केर स्थापित परम्परा अनुरूप समस्त गणमान्य अतिथि लोकनि केँ पाग-चादर सँ सम्मानित कयल गेलनि ।

उद्घाटन भाषण मे डा. आलोक रंजन, किशोर कुमार मुन्ना, राकेश सिंह, कुमार रविशंकर, तथा साकेत आनंद द्वारा सोशल मिडिया तथा सहरसा ग्रुप केर संबंध मे अपन-अपन विचार राखल गेल छल । समारोह मे बदहाल शिक्षा, बदलैत सहरसा विषय पर सेमिनार केर आयोजन कयल गेल रहय जाहि मे प्रगति क्लासेज, सहरसा केर निदेशक श्री चंदन कुमार, एम्बीशन कैरियर जंक्शन केर निदेशक श्री संदीप कश्यप, एलकेमिक क्लासेज केर निदेशक नितेश रंजन, समिधा ग्रुप मधेपुरा केर चेयरमेन श्री संदीप शांडिल्य, करतार कोंचिंग, सहरसा केर श्री राजेश किशोर, डा. के.एस.ओझा, श्री विक्रमादित्य खां, डा. रेणु सिंह, श्री प्रभाकर तिवारी आदि वक्ता लोकनि अपन महत्वपूर्ण विचार रखलैन । सब वक्ता लोकनि सहरसा केँ सुंदर सहरसा, शिक्षित सहरसा केर दिशा मे एक संग मिलिकय कार्य करबाक तथा शिक्षा सँ जुड़ल व्यक्ति तथा संस्थान केँ सम्मान देबाक बात पर जोर देलनि ।

सेमिनार में ईस्ट एंड वेस्ट टीचर्स ट्रेनिंग इंस्टिट्यूट केर चेयरमैन डा. रजनीश रंजन अपने विडियो मैसैज तथा सहरसा ग्रुप केर माध्यम सँ सहरसा मे एक विश्वविद्दालय केर निर्माण करबाक बात कहलनि तथा आमजन एवं शिक्षा सँ जुड़ल लोक सब सँ सहयोग माँगलनि । समारोह मे साहित्य अकादमी सँ सम्मानित डा. शेफालिका वर्मा तथा सहरसा केर पूर्व सदर एस.डी.ओ. श्री सौरभ जोरवाल केर शुभकामना सन्देश सेहो वीडियो मैसेज मार्फत पहुँचल ।

समारोह में शशि सरोजिनी रंगमंच संस्थान केर कलाकार द्वारा लोकगीत एवं लोकनृत्य केर मनमोहक प्रस्तुति कयल गेल । ओत्तहि मैलोरंग संस्थाक राजीव रंजन झा द्वारा उमाशंकर सिंह कृत “मत रो मेरे पापा” एकल नाटक केर प्रस्तुति समारोह केँ यादगार बना देलक । यू.ट्यूब पर अपने विडियो सँ चर्चित रहयवला बिभुनंदन सिंह सेहो अपन अभिनय केर प्रस्तुति कयलनि तथा नाना पाटेकर एवं अमिताभ बच्चन केर मिमीक्री करैत खूब थोपड़ी बटोरलनि ।

समारोहक ऐगला सत्र मे कवि सम्मेलन केर आयोजन भेल जाहि मे कैलाश झा किंकर, सियाराम यादव मयंक, शेखर सावंत, स्वाति शाकम्भरी, सुमन शेखर आजाद, मुख्तेश्वर सिंह मुकेश, आनंद झा, अरविंद मिश्र नीरज आदि कवि लोकनि कविता पाठ कयलनि ।

समारोह केर अंतिम चरण में सहरसा ग्रुप केर दिश सँ रमेश झा महिला महाविद्दालयक प्रिसीपल डा. रेणु सिंह, सदर एस.डी.पी.ओ. श्री प्रभाकर तिवारी, पूर्व विधायक डा. आलोक रंजन, पूर्व विधायक श्री किशोर कुमार मुन्ना, समिधा ग्रुप केर चेयरमेन श्री संदीप शांडिल्य, प्रगति क्लासेज, सहरसा केर निदेशक श्री चंदन कुमार, एम्बीशन कैरियर जंक्शन केर निदेशक श्री संदीप कश्यप, एलकेमिक क्लासेज के निदेशक नितेश रंजन ,करतार कोंचिंग, सहरसा के श्री राजेश किशोर, शशि सरोजिनी रंगमंच संस्थान के कुंदन वर्मा, पंख के सी.ई.ओ. श्री बिभु नंदन सिंह, मैलोरंग के कलाकार, राजीवरंजन झा, फोटो जर्नलिस्ट विपिन कुमार सिंह तथा सभ कवि केँ स्मृति चिह्न भेंट कय सम्मानित कयल गेल । समारोह में आजाद युवा विचार मंच केर सदस्य सब केँ सेहो सम्मानित कयल गेल ।

समारोह केर संबंध में संयोजक कुमार रविशंकर कहलनि जे एहि मिलन समारोह केर उद्देश्य फेसबुक पर बनल मित्र सबकेँ सोझाँ-सोझी भेटबाक आ सार्थक उर्जा केँ जोड़ि किछु नीक कार्य-कृत्ति स्थापित करबाक लेल एकटा मंच प्रदान करब अछि । समारोह में डा. रजनीश रंजन, अमरज्योति जयसवाल, शशि शेखर सम्राट, संदीप कश्यप, मोहनीस रंजन, नंदन कुमार, पंकज कुमार, मोनू झा, राहुल कुमार, सुनील कुमार झा, आदिक विशेष योगदान रहल । एहि मे विभिन्न संगठनक सहभागिता बहुत उत्साहजनक रहल । एहि अवसर पर डा. रामनरेश सिंह, कुमार विक्रमादित्य, दीपक कुमार, नंदन कुमार तथा कतेको आरो सोशल मिडिया एक्टीविस्ट सेहो उपस्थित छलाह । समारोहक संचालन श्री आनंद झा द्वारा कयल गेल तथा धन्यवाद ज्ञापन सोमू आनंद अपन चिर परिचित अंदाज मे केलनि ।

SAHARSA GROUP
www.facebook.com/groups/saharsamitra

Related Articles