तेसर डा. भूपेंद्र देव कोसी सम्मान गौरीनाथ केँ, २२ नवम्बर सहरसा मे समारोहपूर्वक देल जेतनि

बिहरा, सहरसा। नवम्बर २, २०१७. मैथिली जिन्दाबाद!!

तृतीय “भूपेंद्र देव कोसी सम्मान – 2017” आयोजनक सूचना सह आमंत्रण

सुप्रसिद्ध शिक्षाविद, अंग्रेजी साहित्य केर मर्मज्ञ विद्वान व मैथिली-हिंदी-बांग्ला साहित्य केर गंभीर अध्येता, जी डी कॉलेज, बेगूसराय (बिहार) केर लोकप्रिय प्राध्यापक (1958-1990), खेल-प्रेमी आ समाज केर वंचित वर्ग केर प्रति समर्पित स्व0 प्रोफेसर डा0 भूपेंद्र देव केर स्मृति मे सृजित संस्था “डा0 भूपेंद्र देव फाउंडेशन” द्वारा एहि वर्ष निर्णय लेल गेल अछि जे तृतीय “भूपेंद्र देव कोसी सम्मान” कोसी केर लाल व बिहार केर सुपौल जिलान्तर्गत कालिकापुर गाँव निवासी हंस केर सहायक संपादक रहि चुकल आ वर्तमान मे बया तथा अंतिका जेहेन चर्चित पत्रिकाक संपादक, अंतिका प्रकाशन (गाज़ियाबाद) केर संचालक/संपादक, कतेको पुस्तकक रचयिता आर कतेको सम्मान सब सँ सम्मानित सुप्रसिद्ध युवा कथाकार श्री गौरी नाथ केँ 22 नवंबर 2017 केँ डा0 भूपेंद्र देव (पैतृक गांव – बिहरा, सहरसा) केर 27म पुण्यतिथिक अवसर पर सहरसा (बिहार) जिला मुख्यालय मे समारोहपूर्वक प्रदान कयल जेतनि जाहि मे इलाका ओ इलाका सँ बाहरक कतेको रास दिग्गज भाग लेताह। एहि अवसर पर एकटा भव्य कवि-सम्मेलन सेहो आयोजित होयत तथा एकरा संगहि संस्थाक फोल्डर सेहो वितरित कयल जायत जाहि मे गौरी नाथ – सम्मानित स्रष्टाक विस्तृत परिचय प्रकाशित होयत। 

विदित हो जे सम्मान-स्वरुप गौरी नाथ केँ एगारह हजार टका, प्रशस्ति-पत्र, प्रतीक-चिह्न ओ अंगवस्त्रम् प्रदान कयल जेतनि। डॉ0 भूपेंद्र देव फाउंडेशन केर दिश सँ गौरी नाथ केर उज्जवल भविष्य, स्वस्थ जीवन आ निरंतर यशश्वी लेखन हेतु अशेष शुभकामनाक ज्ञापन सेहो संयोजक सह कवि-लेखक-सर्जक शेखर सावंत कएलनि अछि। मैथिली जिन्दाबाद परिवारक दिश सँ शुभकामना आ बधाई सम्मानित एवम् सम्मान कयनिहार संस्थाक कयल गेल अछि। ई निवेदन स्वरूपक सूचना डॉ0 भूपेंद्र देव फाउंडेशन जे एकटा गैर-राजनीतिक साहित्यिक-सांस्कृतिक संस्था – बेगूसराय-नई दिल्ली-सहरसा सँ कार्य करैत आबि रहल अछि ताहि तरफ सँ प्रेषित कयल गेल अछि।