मुम्बई। १५ अक्टूबर, २०१६. मैथिली जिन्दाबाद!!
आइ दिनांक १५.१०.२०१७ रवि दिन मुम्बई महानगरक मीरा रोड स्थित कौफी होम मे एक संछिप्त कार्यक्रमक आयोजन दहेज मुक्त मिथिला भारत केर कार्यसमिति सदस्य द्वारा सम्पन्न भेल। संस्थाक पूर्व अध्यक्ष एवम् वर्तमान समय संरक्षक केर भूमिका निर्वाह करैत आबि रहला अनुभवी अभियानी पंकज झा केर अध्यक्षता में आयोजित आजुक बैसार मे संस्था द्वारा आगामी समयक कार्ययोजना पर चर्चा कयल गेल। संस्थाक महासचिव धर्मेन्द्र कुमार झा जनतब दैत कहलनि अछि जे सबसँ बेसी खुशीक बात ई रहल एहि बैसारक जे मुम्बई और उपनगर में रहनिहार समाजसेवा सँ जुड़ल मिथिलानी लोकनि आगाँ आबि दहेज मुक्त मिथिला केर विचारधारा मे अपन आस्था व्यक्त करैत सहभागिता लेल इच्छा व्यक्त केलीह।
भेटल जानकारी मुताबिक महिला मंडल टीम में डॉ प्रतिभा झा, ममता डी. ठाकुर, कंचन मिश्र, बिभा झा, संगीता झा, रंजू झा, सुनीता झा एवं आरो कतेको नामी-गिरामी महिला नेत्री लोकनि उपस्थित छलीह। ई बैठक दहेज मुक्त मिथिला केर बहुप्रतीक्षित महिला टीमक गठनक दिशा मे सार्थक साबित होयत, श्री झा बतौलनि।
बैठक में स्वतंत्र महिला टीमक गठन केर प्रस्ताव पारित भेल आर डॉ प्रतिभा झा केँ एहि यूनिट केँ पूर्ण रूप-स्वरूप मे अनबाक संयोजकीय भार देल गेलनि। बहुत जल्दी डा. झा अपन सहयोगी महिला सभक संग एक सशक्त टीम केर गठन करबाक आशा व्यक्त केलीह। लगभग ६५ महिलाक टीम जे ईमानदारीपूर्वक निःस्वार्थ भाव सँ दहेज मुक्त मिथिला केर विचारधारा केँ आम मिथिलावासी समाजक लोकक घर-घर धरि पहुंचौती – डा. झा अपन संबोधन मे कहली।
संरक्षक पंकज झा नवगठित महिला यूनिट सहित जुड़ल कार्यकारिणी सदस्य लोकनि केँ बधाई दैत सफलताक एकमात्र सूत्र बुझबैत कहलनि जे दहेज मुक्त मिथिला केर कार्यकर्ता कोनो पद या सम्मानक भूखल नहि रहि मात्र समाजक हित केर चिन्तन मे अपन योगदान दैत छथि। महासचिव झा कहलनि जे ई तमाम महिला मंडल कोनो अन्य नवगठित दहेज विरोधी संस्था सँ जुड़ल छलीह, लेकिन पदलोलुपता और अन्य वैचारिक मतभेद सँ खिन्न भऽ ई समस्त समाजक हितचिन्तक सम्भ्रान्त महिला सदस्या लोकनि दहेज मुक्त मिथिला केर निरपेक्ष अभियान मे अपन समर्थन व्यक्त केलीह।
दहेज विरोधी अभियान केर समर्थन दहेज मुक्त मिथिला द्वारा सदिखन कयल गेल, चाहे आरे कोनो बैनर तर मे ई मुहिम कियैक नहि चलाओल गेल हो। हालहि में धरातल पर सम्पन्न भेल मैराथन दौड़ के द्वारा जनजागरूकता अभियान पर सेहो चर्चा भेल। बैठक में तमाम उपस्थित सदस्य द्वारा मैराथन धावक आर के दीपक सहित अन्तर्राष्ट्रीय संयोजक प्रवीण नारायण चौधरी, महासचिव धर्मेन्द्र झा तथा कुणाल ठाकुर तथा समस्त सहयोगी, समाजसेवी, कवि-साहित्यकार तथा राजनीतिक कार्यकर्ता लोकनि केँ धन्यवाद ज्ञापन कयल गेल।
संरक्षक सह पूर्व अध्यक्ष पंकज झा द्वारा तमाम नव-आगंतुक महिला सदस्य केँ दहेज मुक्त मिथिलाक विचार और कार्यशैलीक जानकारी देल गेलनि। संगहि शुरुआत सँ एखन धरि दहेज मुक्त मिथिला द्वारा भारत और नेपाल मे कयल गेल अनेकानेक आयोजन ओ धरातलीय कार्य संग-संग चलायल गेल अभियानादिक सेहो संक्षिप्त जानकारी देल गेलनि।
संस्थाक वर्तमान राष्ट्रीय अध्यक्ष राजेश राय कहलनि जे आब दहेज मुक्त मिथिला महानगर संग-संग धरातल पर सेहो अपन उपस्थिति प्रभावकारी ढंग सऽ राखत। और बहुत शीघ्र महिला टीमक गठन के बाद एक भव्य कार्यक्रम में तमाम महिला टीम के सदस्यता ग्रहण समारोह केर आयोजन कयल जायत।
बैठक में संस्थाक महासचिव धर्मेन्द्र झा, उपाध्यक्ष वी एन झा, महाराष्ट्र अध्यक्ष विजय मिश्र, कोषाध्यक्ष करुणेश निशेष, संत झा, आशुतोष ठाकुर, आदि उपस्थित छलाह। दहेज मुक्त मिथिला कोनो पार्टी या ट्रस्ट नहि बल्कि एक समाज सुधारक अभियान थिक, एक विचारधारा थिक, एक सपना थिक – ई कहब छलैन्ह डॉ प्रतिभा झा केर जे आई अपन तमाम महिला मित्र मंडलीक संग बैठक में उपस्थित छलीह।