Search

मुम्बई मे मैथिल समन्वय समिति द्वारा देल गेल ‘धीरज प्रतिभा सम्मान’

धर्मेन्द्र कुमार झा, मुम्बई। जुलाई १७, २०१७. मैथिली जिन्दाबाद!!

मैथिल समन्वय समिति द्वारा दसवीं और बारहवीं में 80% स ज्यादा अंक स उतीर्ण छात्र केँ सम्मानित कयल गेल। कच्छी ब्राह्मण समाज भवन मुलुंड में आयोजित एक सम्मान समारोह में समितिक संरक्षक डॉ संदीप झा केर उपस्थिति में ई कार्यक्रम सम्पन्न भेल जाहि में छात्र केर अलाबे समाज मे अप्पन उत्कृष्ट कार्य सँ पसिद्धि पेनिहार विभिन्न व्यक्तित्वक सम्मान सेहो संस्था द्वारा कयल गेल। आईपीएस राजेश प्रधान, बिंदेश्वर झा एवं सरोज झा केर विशिष्ट कार्य लेल सम्मानित कयल गेल। छात्र लोकनि केँ नकद राशि एवं मैथिल समन्वय समिति द्वारा सम्मान पत्र सँ सम्मानित कयल गेल। संरक्षक संदीप झा केर हाथ सँ सम्मान समारोह सम्पन्न भेल।

संगहि सांस्कृतिक कार्यक्रम सेहो राखल गेल छल, जाहि में संजीव झा, श्रुति झा, केशव रॉक एवं अन्य कलाकार लोकनिक मैथिली सांस्कृतिक कार्यक्रम सँ दर्शक एवम् सम्मानित व्यक्तित्व लोकनि एवम् परिजन काफी आनन्दित भेलाह। 

एहि अवसर पर आईपीएस प्रधान द्वारा कयल गेल संबोधन में प्रतिभावान् बच्चा सभक भविष्य-निर्माण हेतु अन्य-अन्य योजनाक बारे में विस्तृत जानकारी उपलब्ध कराओल गेल। संरक्षक संदीप झा द्वारा स्वागत भाषण में सेहो छात्र लोकनिक उज्ज्वल भविष्यक शुभकामना प्रेषित कयल गेल और मैथिल छात्र लेल संदीप युनिवर्सिटी में स्कॉलरशिप योजनाक सम्बन्ध में सेहो विस्तृत जानकारी देल गेल ।

मैथिल समन्वय समितिक आगामी कार्ययोजना पर सेहो चर्च करैत डॉ संदीप झा कहलनि जे संस्था द्वारा एहि बेर वर-वधू परिचय सम्मेलन दिल्ली में होयत, और तमाम दिल्लीवासी सँ बेसी सँ बेसी संख्या में सहभागिता दैत एहि आयोजन केँ सफल बनेबाक आह्वान सेहो केलनि। अगिला कार्यक्रम जे मैथिल समन्वय समिति द्वारा सम्पन्न होयत से मैथिल रोजगार योजना, एहि योजनाक अंतर्गत मैथिल लोक केँ विभिन्न तरहक रोजगार उपलब्ध करायल जायत से जनतब देलनि। मैथिल समन्वय समिति केर विभिन्न योजना में मैथिल हित केर प्रावधान अछि जेकर जानकारी संदीप झा द्वारा समग्र रूप सँ सभा केँ देल गेल।

समारोह में मुम्बई केर हर वर्गक, हर क्षेत्रक लोक केर सहभागिता रहल। और एहि तरहक आयोजन संस्था द्वारा हर वर्ष आयोजित होयत सेहो जानकारी देल गेल।

विदित हो कि मैथिल समन्वय समिति द्वारा पिछला साल वर‍-वधू परिचय संम्मेलन मुम्बई में सम्पन्न भेल छल। हालहि किछु दिन पूर्व में संस्था द्वरा बिहारक मुख्यमंत्री माननीय नीतीश कुमारजी केर सम्मान समारोह सेहो कयल गेल रहय जाहि में संस्था द्वारा ११-सूत्री मिथिला संबंधित विकास कार्य केर मांग सहितक ज्ञापन पत्र सेहो सौंपल गेल छल। तहिना आजुक कार्यक्रम केँ संस्थाक संरक्षक सदस्य स्व. धीरज झा केर पुण्य स्मृति में हुनकहि नाम सँ “धीरज प्रतिभा सम्मान” छात्र लोकनि केँ देल गेल। संस्थाक विस्तारीकरण पर सेहो बल देल गेल।

मैथिल समन्वय समितिक लगभग सब महत्वपूर्ण चेहरा एहि कार्यक्रम में बैढ-चैढकय हिस्सा लेलनि। पंकज झा, दीपक झा, राजकुमार झा, धनंजय झा सहित आयोजक समिति सँ जुड़ल सब विशिष्टजन अपन खास लिबास – ड्रेस कोड सहित मौजूद रहिकय एहि कार्यक्रम केँ भव्य रूप सँ सफल बनौलनि।

Related Articles